सिंगापुर/ सिंगापुर जकाँ शांत आ व्यापारिक देस में सेहो इस्लामिक आतंकवादी संगठन आईएसआईएस के पहुँचक दावा कएल गेल अछि। सरकारी अधिकारीक हवाले सँ मीडिया में छपल समाचार में कहल गेल अछि जे सिंगापुरक सुरक्षा बल आंतरिक सुरक्षा अधिनियमक तहत एकटा किशोर केँ हिरासत में लेलक। ओ किशोरी पर आईएसआईएसक समर्थक हैवाक आरोप छि। किशोरी के उम्र 15 वर्ष बताओल जा रहल अछि।
उक्त किशोरी पर इस्लामिक स्टेट (आईएस) केर समर्थक होमक आरोप अछि। किशोरीक बारे मे कहल जाइत अछि जे ओ इस्लामिक आतंकवादी संगठन आईएसआईएस कं निरंतर समर्थन कऽ रहल छल आ ओहि स संबंधित सोशल मीडिया पर पोस्टो डालैत छल। बता दिउ कि एम्हरे नजदीके मे संयुक्त राज्य अमेरिका मे एकटा इस्लामिक चरमपंथी नव शालक अवसर पर जश्न मना रहल किछु लोककें कार सँ कुचलिके हत्या कऽ देले रहे। किशोरीक बारे मे कहल जाइत अछि जे ई ओहिना किछु करै कऽ प्रयास में छल। ताहि लऽ कऽ ओकरा हिरासत में लेल गेल अछि।
एम्हर सिंगापुर प्रशासन एकटा 17 वर्षीय लड़का के सेहो गिरफ्तार करबाक दावा कएलक अछि, जकरा पर ‘ईस्ट एशियन सुपरमेसिस्ट’ के समर्थक भेनाय आ दक्षिणपंथी चरमपंथी विचारधारासँ जुड़ल होबक आरोप लगाओल गेल अछि। सिंगापुरक आंतरिक सुरक्षा विभाग (आईएसडी) बुधदिन ई जानकारी देने।मीडिया रिपोर्टक अनुसार, ओ लड़की पहिल महिला आ दोसर सबसे कम उम्रक किशोरी अछि जाहि पर आंतरिक सुरक्षा अधिनियम (आईएसए) अंतर्गत प्रतिबंध आदेश लगाओल जाएत।