spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिसिंदरी खाद कारखाना केँ कायाकल्प सँ बोकारो (सेल) आओर रांची (HEC) केँ...

सिंदरी खाद कारखाना केँ कायाकल्प सँ बोकारो (सेल) आओर रांची (HEC) केँ जागल उम्मीद !

-

गोरखपुर आओर रामागुंडम मे खाद कारखाना के काया कल्प केँ बाद तेसर खाद कारखाना सिंदरी केँ काया कल्प क’ आई 1 मार्च क’ दोबारा लोकार्पण कयलनि अछि। हिंदुस्तान उर्वरक एवं रसायन लिमिटेड (एचयूआरएल) कायाकल्प केँ शिलान्यास वर्ष 2018 स्वयं प्रधानमंत्री कयने रहैत। 8900 करोड़ रूपया सं अधिक लागत सँ सिंदरी केँ खाद कारखाना केँ विकसित कैल गेल अछि। एहि अवसर प्रधानमंत्री मोदी संग झारखण्ड राज्य केँ राज्यपाल सी पी राधाकृष्णन, मुख्यमंत्री चम्पई सोरेन आओर केंद्रीय कृषि मंत्री अर्जुन मुंडा उपस्थित छला। हिंदुस्तान उर्वरक एवं रसायन लिमिटेड (एचयूआरएल) लोकार्पण कयला केँ बाद 35700 करोड़ रुपया योजनाक सौगात झारखण्ड राज्य केँ प्रधानमंत्री देलनि जाहि मे 17 योजना (12 योजना केवल रेल सँ जुरल )केँ शिलान्यास आओर उद्घाटन भेल। प्रधानमंत्री धनबाद केँ बरवाअड्डा मे भाजपा केँ विजय संकल्प महारैली केँ सम्बोधित कयलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts