लहरि रूम (रांची ) : श्रीमान जगदीप धनखड़ कें त्यागपत्र देला के उपरांत आइ दिनांक 9 सितम्बर 2025 क’ उपराष्ट्रपति पद हेतु चुनाव भेल । बीजेपी नेतृत्व वला NDA गठबंधन पूर्व मे झारखण्ड के आ वर्तमान मे महाराष्ट्र के राज्यपाल सीपी राधाकृष्णन के आओर INDI गठबंधन (विपक्षी खेमा) पूर्व सुप्रीम कोर्ट के न्यायधीश बी सुदर्शन रेड्डी के अपन-अपन उम्मीदवार बना क’ प्रस्तुत कयने छल। मतदानक प्रारंभिक काल सीपी राधाकृष्णन बढ़त बनौने छला। उपराष्ट्रपति पद हेतु NDA उम्मीदवार सीपी राधाकृष्णन चयनित भेला। हिनका पक्ष 452 मत मे भेटल। विपक्ष के उम्मीदवार बी सुदर्शन रेड्डी के 300 भेटल।

