नई दिल्ली : दिल्ली केँ मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केँ सुप्रीम कोर्ट सँ राहत नहि भेटलनि , जमानतक अवधि बढ़ाबय लेल जे याचिका दायर केने छलाह ओकरा सुप्रीम कोर्ट खारिज क’ देलक अछि। कोर्ट कहलक अछि जे हुनका 2 जून क’ आत्मसमर्पण करय परतनि । अरविंद केजरीवाल अपन जमानत अवधि सात दिन बढेबाक आवेदन दाखिल केने छलाह। अरविंद केजरीवाल केँ वकील मनु सिंघवी स्वास्थ्य कारण बताबैत हुनकर जमानत अवधि सात दिन बढ़ेबाक अपील केने छलाह, जकरा बुधदिन कोर्ट खारिज क’ देलक।
सुप्रीम कोर्ट सँ अरविंद केजरीवाल झटका , जमानत अवधि बढ़ेबाक आवेदन खारिज, 2 जून क’आत्मसमर्पण करय परतनि
-

