मधुबनी ( मिथिला – बिहार ) – सम्पूर्ण बिहार मे अखनधरि नीक बरखा होयत ताहि केँ कोनो संभावना तरहक संभावना नहि बुझना जा रहल अछि। हाँ सूर्य केँ दक्षिणायन केँ तरफ भेला सँ तापमान केँ गिरावट देखबा मे आबि रहल अछि। लहरि आ उमस भरल गर्मी सँ लोक परेशान छथि। जाहि मिथिला क्षेत्र मे दू दशक पाहिले 75 सँ 150 फिट भूतल सँ जलापूर्ति होइत छल आब ओहि जलापूर्ति केँ 300 फिट सँ बोरिंग केँ आवश्यकता परि रहल अछि। लोक सब समरसेबल पंप लगेबाक लेल विवश भ’ रहला अछि। धान केँ रोपनी आ पटौनी दमकल भरोसे भेल अछि। मौसम विभाग केँ अनुसार सीतामढ़ी, शिवहर आ मधुबनी मे 13 सँ 14 सितंबर तक बरखा भ’ सकैत अछि। मुदा बहुत कम बरखा के संभावना अछि। बरखा नहि भेला केँ कारण सँ जल संकट आओर उपजा संकट सेहो उत्पन्न होयबाक संभावना अछि।
Trending Now
