spot_img
Saturday, November 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिसोशल मीडिया प्लेट फॉरम पर झलकल 'ट्रम्प' के दोस्ताना !

सोशल मीडिया प्लेट फॉरम पर झलकल ‘ट्रम्प’ के दोस्ताना !

-

लहरि रूम (नई दिल्ली) : मंगल दिन ट्रूथ सोशल साइट पर अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रंप द्वारा एकटा पोस्ट के माध्यम सँ घोषणा कयल गेल जाहि मे लिखल अछि “ट्रम्प प्रसन्न छथि जे भारत आओर अमेरिका व्यपारिक मुद्दा के समाधान हेतु चर्चा जारी रखने अछि। आबय वला सप्ताह मे अपन निक दोस्त प्रधानमंत्री मोदी सँ बात करबाक लेल उत्सुक छथि। हुनका विश्वास छनि जे दुनू महान देश वार्ता सँ सफल निष्कर्ष पर पहुँचत।”

अहि पोस्ट पर अपन प्रतिक्रिया दैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा बुधवार क’ X पर पोस्ट कयल गेल जाहि मे प्रधानमंत्री मोदी दुनू देश बातचित के बात स्वीकार करैत सहभागिता आओर साझेदारी सँ संभावना के द्वार खोलय के बात प्रस्तुत कयलनि । मोदी पुनः लिखने छथि जे भारत आओर अमेरिका ‘घनिष्ठ दोस्त आ स्वाभाविक साझेदार अछि । दुनू देश व्यापार वार्ता क’ जल्द सँ जल्द पूर्ण करबा मे लागल अछि।

प्रधानमंत्री मोदी X के माध्यम सँ संदेश प्रसारित कयने छथि “हम राष्ट्रपति ट्रंप सँ बात करबाक लेल उत्सुक छी । हम दुनू देश मिल क’ लोग सभक उज्जवल ारो समृद्ध भविष्य के सुनिश्चित करबाक हेतु कार्य करब। “

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts