spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिस्वर्गीय भेला लाल चंद महतो : झारखण्ड राज्य केँ पहिल ऊर्जा मंत्री...

स्वर्गीय भेला लाल चंद महतो : झारखण्ड राज्य केँ पहिल ऊर्जा मंत्री छला

-

रांची : बिगत किछु दिन सँ पूर्व मंत्री क’ स्वास्थ्य खराब भ’ रहल छलनि । वृहस्पति (4 अप्रैल 2023 ) राति 11 बजे अमरावती अपार्टमेंट मे अपन फ्लैटक’ बाथरूम मे खसि परला । एकर बाद ओ बेहोश भ’ गेलाह। परिवारक सदस्यगण तुरंत लालपुर केँ एकटा निजी अस्पताल ल’ गेलखिन , जतय डॉक्टर हुनका मृत घोषित क’ देलक। 72 वर्षक उम्र मे ओ अंतिम सांस लेलथि।
लालचंद महतो तीन बेर गिरिडीह केँ डुमरी विधानसभा क्षेत्र केँ प्रतिनिधित्व केलनि। झारखंड केँ गठनक बाद स्व. महतो केँ राज्यक पहिल ऊर्जा मंत्री बनाउल गेल। पूर्व मंत्री के निधन केँ खबर जहिना बेरमो के बैदाकारो में हुनकर पैतृक आवास पर आयल त’ शोक भ’ गेल। परिवारक लोकक हालत खराब छल, कानि रहल छल। पाँच भाइ मे स्वर्गीय महतो सबसँ पैघ छलाह ।
बताबी जे 31 मार्च क’ इसरी बाजार स्टेशन रोड स्थित तेराहपंथी कोठी मे आयोजित बहुजन सदन मोर्चा आ हिंद मजदूर किसान यूनियन क’ सम्मेलन मे लालचंद महतो केँ गिरिडीह लोकसभा सीट सँ उम्मीदवार घोषित कैल गेल छल ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts