spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिस्वर्गीय भ' गेला विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ अध्यक्ष - लेखानन्द झा...

स्वर्गीय भ’ गेला विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ अध्यक्ष – लेखानन्द झा : श्रद्धांजलि

-

लहरि रूम: 80 वर्षक आयु मे दिनाँक 7 मई 2024 संध्या 8:30 बजे (लगभग) विद्यापति स्मारक समिति केँ अध्यक्ष लेखानन्द झा स्वर्गीय भ’ गेला। पेशा सँ लेखा बाबू वकालत करैत छला। वर्तमान मे लेखा बाबू रांची केँ सुखदेव नगर (आंशिक सहदेव नगर ), रातू रोड, रांची मे प्रवासी मैथिल केँ रूप मे वास करैत छला। लेखा बाबू केँ संतान केँ रूप मे 4 पुत्री आओर 1 टा पुत्र छनि। तीन पुत्रीक विवाह भ’ चुकल छनि। मूलतः लेखा बाबू मिथिला क्षेत्र मधुबनी जिला केँ भखरैन गामक निवासी छथि।

लहरि पत्रिका केँ संपादक नरेंद्र झा अपन श्रद्धांजलि अर्पित करैत कहला अछि जे : लेखानन्द झाजीक मिथिला, मैथिलीक प्रति जे अवदान रहलनि ओकरा किन्नहु नहिं विस्मरण कयल जा सकैत अछि।ओ अपना बलें समाज केँ संगठित करबाक लेल आ महत्वपूर्ण लोक केँ सम्मान देबाक लेल सतत प्रयत्नशील रहलाह। हुनक स्मृति केँ नमन एवं विनम्र श्रद्धापुष्पांजलि अर्पित। स्व. लेखा बाबु केँ सानिध्य मे रहनिहार आओर वर्तमान मे बाबा विद्यापति स्मारक समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा श्रद्धांजलि अर्पित करैत कहला जे ” लेखा बाबू रांची मिथिला समाज केँ धरोहर छला। मैथिलि भाषाक रक्षार्थ आओर सम्मान केँ लेल रांची, झारखण्ड मे सदैव लड़ैत रहला अछि। हमर गुरुदेव केँ रूप मे सदैव उपस्थित रहैत छला। आई हम जतय छी हुनके कारण सँ छी। हुनक आत्मा केँ शांतिक लेल हम प्रार्थना करैत छी। “

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts