
लहरि रूम( रांची) : 13 नवंबर 2024 क’ रांची लोकसभा क्षेत्र केँ रांची, हटिया, कांके विधानसभा क्षेत्र मे चुनाव अछि। जाहि कारण रांची केँ सांसद सह रक्षा राज्य मंत्री संजय सेठ अपन लोकसभा क्षेत्र मे भाजपा एवं NDA केँ प्रत्याशी लोकनिक लेल चुनावी अभियान मे विजयी बनेबाक लेल बहुत मेहनत क’ रहला अछि। चुनाव केँ संग-संग ई समय सनातन धर्मी लोकनिक लेल पाबनिक महीना अछि। एहि क्रम मे आई संजय सेठ छठि पाबनि केँ अवसर पर रांची केँ विभिन्न अर्घ देबाक स्थल पर पहुंचला। रांची केँ बड़ा तालाब छठि घाट पर पहुंच क’ सर्वप्रथम स्वर कोकिला स्व. शारदा सिन्हा केँ अपन भावपूर्ण श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि। राह गुजरैत छठिव्रती केँ चरणस्पर्श क’ आशीर्वाद लेलनि संग आयोजित सेवा शिविर मे उपस्थित रहला तदोपरांत रांची केँ कोकर स्थित डिस्टलरी तालाब पर जा भगवान भास्कर केँ अर्घ अर्पित क’ सबहक जीवन मे सुख आओर समृद्धि होई ताहि लेल कामना कयलनि।

