spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिहताशा आओर बौखलाहट कें प्रतिक अछि झारखण्ड मे भाजपा कें प्रदर्शन :...

हताशा आओर बौखलाहट कें प्रतिक अछि झारखण्ड मे भाजपा कें प्रदर्शन : विनोद पाण्डेय

-

लहरि रूम (रांची) : भाजपा द्वारा झारखण्ड के प्रखंड में कयल गेल “आक्रोश प्रर्दशन” के झारखण्ड मुक्ति मोर्चा द्वारा राजनीतिक नौटंकी कहल गेल अछि। झारखण्ड मुक्ति मोर्चा के महासचिव विनोद पांडेय द्वारा कहल गेल जे इ प्रर्दशन ने इ प्रर्दशन जनता के लेल अछि आ नहि कोनो जनता सँ सबंध अछि अपितु इ प्रदर्शन झारखण्ड मे भाजपा कें हताशा आओर बौखलाहट के प्रतीक अछि।

विनोद पांडेय कहलनि जे भाजपा के अहि बातक कष्ट अछि जे मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन के नेतृत्व मे आदिवासी -मूलवासी सरकार गरीब, किसान, युवा आओर महिला संग संग प्रत्येक वर्ग हेतु कार्य क’ रहल अछि। भाजपा जाहि प्रश्न के ल’ क’ प्रदर्शन क’ रहल अछि जे मुद्दा के झारखण्ड मे भाजपा सरकार रहला के पूर्ण रूपेण नजर अंदाज कयल गेल छल।

विनोद पाण्डेय कहलनि जे भाजपा के नीयत आओर राजनीति झारखण्ड के जनता निक सँ आब बुझी चुकल अछि। विकास के मुद्दा कें भटकेनाइ आ अफवाह पसारबाक प्रयास आब झारखण्ड मे नहि चलतनि। झारखण्ड कें जनता झारखण्ड मुक्ति मोर्चा कें संग रहि भाजपा कें हर तरफ सँ जबाब द’ रहल छनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts