spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि‘हमरा सबके पाकिस्तान के सम्मान करबाक चाही , ओकरा लग परमाणु बम...

‘हमरा सबके पाकिस्तान के सम्मान करबाक चाही , ओकरा लग परमाणु बम छै : मणि शंकर केँ बनि सकैत अछि वक्तव्य विवादित

-

लहरि रूम: सैम पित्रोदा केँ कथित नस्लवादी आओर रंगभेदी वक्तव्य सँ कांग्रेस पार्टी अखन तक आलोचना सँ उबरि नै सकल अछि पुनः मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे कांग्रेस केँ एकटा आओर वरिष्ठ नेता मणि शंकर अय्यर फेर किछु ऐहन बात कहलनि जे विवादित भ’ सकैत अछि । दरअसल, मणि शंकरअय्यर बातचीत मे कहलनि जे ‘पाकिस्तान एकटा संप्रभु देश छै आओर ओकरा लग परमाणु बम छैक , एहि हमरा सब केँ ओकर सम्मान करबाक चाहि ।’

की कहलनि मणि शंकर अय्यर ?
मणि शंकर अय्यरक एकटा वीडियो सोशल मीडिया पर शेयर कयल गेल अछि , जेकरा मे मणि शंकर अय्यर पाकिस्तान सँ वार्ताक विषय के समर्थन करति कहलैथ कि ‘पाकिस्तान एगो संप्रभु देश छैक आओर पाकिस्तान केँ सहो अपन सम्मान छैक , पाकिस्तान केँ इज्जत केँ ध्यान मे राखि पाकिस्तान सँ गप्प करबाक करबाक अगर ईच्छा राखति छी गप्प करबाक चाही। भारत बंदूक ल’ क’ एम्हर-ओम्हर घुमि रहल अछि आ ताहि सँ तनाव बढ़ि रहल अछि। अय्यर बजलाह – ओतय कोनो पागल सत्ता मे आबि गेल त’ की हेतै, ओकरा लग परमाणु बम छैक। हमरा सब लग सेहो अछि, मुदा लाहौर स्टेशन पर बम फटला पर बम सँ निकलल विकिरण मात्र 8 सेकेंड मे अमृतसर पहुंच जाएत। एहन मे हमरा सभ कें बातचीत क’ माध्यम सँ बम केँ उपयोग रोकबाक केँ प्रयास करबाक चाही। जँ अहाँ हुनका सभसँ गप्प करबाक आ सम्मान करबाक प्रयास करब तखनहि ओ सभ अपन बमक विषयमे नहि सोचताह । अगर भारत विश्व नेता बनय चाहैत अछि त॑ ई देखानाई जरूरी छैक कि हम सँ पाकिस्तान केँ संग अपन मुद्दा केँ समाधान लेल बहुत मेहनत आ प्रयास क’ रहल छी । एकरा लेल हमरा सब केँ गप करय पड़त आ पिछला 10 साल मे कोनो गप नहि भेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts