spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि‘हम लोकतंत्र केँ महापर्वक जश्न मना रहल छी ’ : भारत मे...

‘हम लोकतंत्र केँ महापर्वक जश्न मना रहल छी ’ : भारत मे आयोजित लोकसभा चुनाव पर अमेरिका केँ पैघ वक्तव्य

-

लहरि रूम: नरेन्द्र मोदी तेसर बेर प्रधानमंत्रीक शपथ लेलनि। एहि संग भारत मे लगातार तेसर बेर भाजपा नेतृत्व मे एनडीए सरकार बनल अछि। 4 जून क’ जारी लोकसभा चुनावक परिणाम केँ अनुसार एनडीए क’ 293 सीट भेटल। पूर्व प्रधानमंत्री जवाहरलाल नेहरू केँ बाद पीएम मोदी लगातार तेसर बेर पीएम केँ शपथ लेबय वाला देश केँ दोसर प्रधानमंत्री बनल छथि।

मीडिया सूत्रक अनुसार अमेरिकी विदेश मंत्रालय केँ प्रवक्ता मैथ्यू मिलर जखन प्रेस वार्ता करैत छला तखन पाकिस्तानी रिपोर्टर हुनका सँ प्रश्न कयलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी भारत केँ हिन्दू राष्ट्र बनाबै केँ प्रयास क’ रहला अछि , जाहि कारण सँ दोसर धर्म वला लोक सब अपना आप केँ असुरक्षित अनुभव क’ रहल छथि । एकर जवाब मे मैथ्यू मिलर कहलनि जे कि चुनावी मुद्दा भारतीय जनता केँ फैसला करै केँ छनि ।हम सब (अमेरिका) भारत मे आयोजित चुनाव आओर ओहि सँ आयल परिणाम केँ जश्न मना रहल छी । ई कोनो देश मे चुनावी मताधिकार केँ उपयोगक सबसँ पैघ उत्सव छल । ओ आगू कहलनि जे, एहि चुनाव मे एहन कोनो बात नहि भेल जाहि पर हमरा सब केँ कोनो टिप्पणी करबाक चाही।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts