spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिहरियाणा मे मतदान केँ तारीख बदलल, आब मतदान 1 अक्टूबर केँ जगह...

हरियाणा मे मतदान केँ तारीख बदलल, आब मतदान 1 अक्टूबर केँ जगह 5 अक्टूबर क’ होयत

-

नई दिल्ली : हरियाणा विधानसभा चुनाव केँ तारीख बदलल गेल अछि। चुनाव आयोग केँ अनुसार आब हरियाणा केँ सभ विधानसभा सीट पर मतदान 5 अक्टूबर क’ होयत। एहि सँ पहिने 1 अक्टूबर क’ एहि ठाम मतदान होबय वाला छल, जेकरा चुनाव आयोग बदलि देलक अछि। मतगणना 8 अक्टूबर क’ होयत। जानकारी दी जे हरियाणा चुनाव केँ तारीख बदलय केँ मांग भाजपा केने छल।भाजपा चुनाव आयोग केँ पत्र लिखि मतदान केँ तारीख बदलय के अपील केने छल। भाजपा एकर पाछु तर्क देलक जे मतदान तिथि सँ पहिने आ बाद मे लंबा छुट्टी आ पावनि होइत अछि। पार्टी केँ मांग के बाद चुनाव आयोग केँ सेहो बैसार भेल छल. मुदा खबरि आयल जे चुनाव आयोग तारीख बदलय केँ पक्ष मे नहि अछि। पुनः शनिदिन चुनाव आयोग हरियाणा चुनाव केँ तारीख 1 अक्टूबर केँ जगह 5 अक्टूबर केँ घोषणा केलक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts