spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिहिमाचल प्रदेश सहित उत्तर भारतक कतेको राज्यमे भारी बरखा, २० लोकक मृत्यु...

हिमाचल प्रदेश सहित उत्तर भारतक कतेको राज्यमे भारी बरखा, २० लोकक मृत्यु आ कतेको लापता

-

नई दिल्ली/ दिल्लीमे भारी बरखाक कारण शहरक पैघ भाग जलमग्न भऽ गेल अछि। उत्तर प्रदेशक गाजीपुरमे एकटा २२ वर्षक महिला आ ओकर बच्चाक डूबि गेला सं मृत्यु के सूचना अछि। दिल्ली के यातायात जाम भऽ गेल अछि आ सड़कसभ नदी जकाँ देखाइत अछि। बरखाक कारण दिल्लीक शिक्षा मंत्री सभ स्कूल बंद करबाक निर्णय लेने छथि।

हिमाचल प्रदेशमे बादल फटबाक दूटा घटनामे तीनटा लोकक मृत्यु भऽ गेल आ लगभग ४० गोटे लापता भऽ गेलाह। ई खबरक पुष्टि पुलिस सेहो कैलक। अधिकारीसभ बृहस्पतिकेँ कहलनि जे बरखामे कतेको घर बहैत गेल, जाहिसँ सड़क आ दूटा पनबिजली परियोजना क्षतिग्रस्त भऽ गेल।

शिमलाक पुलिस अधीक्षक संजीव कुमार गांधी पीटीआईकेँ बतौलनि जे शिमलाक रामपुर अनुमंडलक समघ खुद (नाला) मे बादल फटलासँ दूटा लोकक मृत्यु भऽ गेल आ २८ गोटे लापता भऽ गेलाह। दूटा व्यक्ति के घटनास्थल सँ बचा लेल गेल अछि।

उपायुक्त अनुपम कश्यप कहलनि जे बादल फटबाक घटना भोरे लगभग १ बजे भेल। ओ कहलनि जे सड़कसभ बहलासँ बचाव अभियान चुनौतीपूर्ण भऽ गेल छल। राजस्व मंत्री जगत सिंह नेगी कहलनि जे राज्यमे भारी बरखा आ बादल फटलासँ व्यापक क्षति भेल अछि।

घटनास्थल पर उपस्थित उपायुक्त आ पुलिस अधीक्षक कहलनि जे राष्ट्रीय आपदा मोचन बल (एनडीआरएफ), भारत-तिब्बत सीमा पुलिस, पुलिस आ होमगार्ड बचाव अभियान शुरू कऽ देलक अछि आ लापता लोकक खोज लेल ड्रोनक उपयोग सेहो कयल जा रहल अछि।

बुधदिन राति मंडी जिलाक पधारक थलतुखोद क्षेत्रमे बादल फटबाक एकटा आओर घटनामे एकटा व्यक्तिक मृत्यु भऽ गेल आ नौ गोटे लापता भऽ गेलाह। किछु घर ढहि गेल अछि आ सड़क संचार बाधित भेल अछि। मंडी जिला प्रशासन भारतीय वायुसेना आ एनडीआरएफसँ मदति मँगलक अछि।

ब्यास नदीक उफानसँ चण्डीगढ़-मनाली राष्ट्रीय राजमार्ग कतेको ठाम क्षतिग्रस्त भऽ गेल अछि। कुल्लूक भागीपुलमे घर क्षतिग्रस्त होयबाक समाचार सेहो अछि आ पार्वती नदी आ स्वयं मलानाक बाढ़िक कारण कुल्लूक भुंतर क्षेत्रमे सेहो अलर्ट जारी कयल गेल अछि।

मनाली-चंडीगढ़ राष्ट्रीय राजमार्ग कतेको ठाम भूस्खलनक कारण टूटि गेल अछि आ मंडीक पंडोहमे ब्यास नदीक पानि किछु घरमे घुसि गेल अछि। किछु लोकक लापता होयबाक सूचना सेहो भेटल आ एहि क्षेत्रमे घर आ दोकान ढहि गेल।

अधिकारी लोकनि कहलनि जे प्रभावित क्षेत्रक सभटा शैक्षणिक संस्थान बंद कऽ देल गेल अछि आ अधिकारीसभक पूरा ध्यान बचाव आ राहत अभियान पर अछि। मुख्यमंत्री सुखविंदर सिंह सुखू बादल फटलाक बाद सचिवालयमे आपातकालीन बैठक बजौलनि अछि।

खाली हिमाचल प्रदेश नहि, मूसलाधार बरखाक कारण उत्तर भारतक कतेको भागमे भूस्खलन भऽ रहल अछि आ नदीसभ उफान पर अछि। एहि प्राकृतिक घटनाक कारण २०सँ बेसी लोकक मृत्यु भऽ गेल आ कतेको घर बहैत गेल आ सैकड़ो लोक फँसल रहलाह। बरखा आ भूस्खलनक कारण कतेको लोक लापता भेलाक कारण, बचाव दल उखड़ल गाछ आ ढहि गेल भवनक माध्यमसँ बचि गेल लोकक तकबाक लेल खोजि रहल छल।

केरलक वायनाडमे बृहस्पति दिन विनाशकारी भूस्खलनसँ मरयवलाक संख्या १९० धरि पहुँचि गेल। अधिकारीलोकनिकेँ आशंका छनि जे बचाव अभियान जारी रहलासँ मृतकक संख्या बढ़ि सकैत अछि। उत्तराखंडमे राति भरि भेल भारी बरखामे १२ लोकक मृत्यु भऽ गेल, कतेको घर नष्ट भऽ गेल आ कतेको क्षेत्र जलमग्न भऽ गेल। हरिद्वार जिलामे छह, टिहरीमे तीन, देहरादूनमे दू, चमोलीमे एकटाक मृत्यु भेल।

एम्हर केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह हिमाचल प्रदेशक मुख्यमंत्री सुखविंदर सिंह सुखुसँ बात कयलनि आ स्थितिक जायजा लेलनि। शाह हुनका सभकेँ केन्द्र दिससँ हरसंभव मदतिक आश्वासन देलनि। जयपुररू जयपुरक विश्वकर्मा क्षेत्रमे बृहस्पति दिन भोरे बरखाक पानि ओकर घरक तहखानामे घुसि गेलासँ एक परिवारक तीनटा सदस्य डूबि गेलाह। पुलिस इ जानकारी देलकइ।

राज्यक झालावाड़ जिलाक कालीसिन्ध नदीमे एकटा महिला सहित तीन गोटे बहैत गेलाह। तीनू मोटरसाइकिल पर गागरोन पुलसँ गुजरि रहल छलाह। अधिकारी सभ इ जानकारी देलखिन। जयपुर मौसम विज्ञान विभागक अनुसार, बृहस्पति दिन भोर साढ़े आठ बजे पछिला २४ घंटामे करौली, सवाई माधोपुर, अलवर, चुरू, भरतपुर, टोंक, सीकर, हनुमानगढ़, धौलपुर, नागौर आ झुंझुनूमे भारी सँ बहुत भारी बरखा भेल।

अधिकारी लोकनि कहलनि जे जम्मू क्षेत्रक पैघ हिस्सामे भारी बरखाक बाद एकटा ६० वर्षीय व्यक्तिक शव नदीसँ निकालल गेल, जखन कि दूटा घर आ सड़कक एकटा हिस्सा क्षतिग्रस्त भऽ गेल। कर्नाटकमे उडुपी जिलाक नेल्लीकारू गाममे भारी सँ बहुत भारी बरखाक कारण एकटा घर आंशिक रूपसँ खसि पड़लासँ एकटा ५६ वर्षीय महिलाक मृत्यु भऽ गेल। अधिकारी सभ इ जानकारी देलखिन।

भारतीय मौसम विज्ञान विभाग (आईएमडी) अगिला दू दिनमे पश्चिम बंगाल आ ओडिशामे भारी बरखाक चेतावनी देलक अछि। आईएमडी शुक्रदिन गोवाक लेल नारंगी चेतावनी जारी कयलक अछि जाहिमे ष्भारी सँ बहुत भारी बरखाष् आ ५५ किलोमीटर प्रतिघण्टाक गतिसँ बसात चलि रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts