
लहरि रूम (पटना) : मीडिया सूत्र सँ खबरि चलि रहल अछि जे जनसुराज राजनीतिक पार्टी के संस्थापक प्रशांत किशोर कांग्रेस नेता राहुल गांधी के बिहार दौरा केँ ल’ क’ तंज कसला अछि। प्रशांत किशोर सारण मे कहला जे राहुल गांधी आ लालू प्रसाद यादव कें परिवारक बिच कोनो मतभेद नहि अछि। ओ कहलनि जे ई सबटा ढोंग अछि। राहुल गांधी आ कांग्रेस जीवन भरि लालू प्रसाद यादव के झंडा पकड़ने अछि आ आब तेजस्वी यादव के सेहो झंडा पकड़ने रहत। ओ कहला जे राहुल गांधी मे असगर चुनाव लड़बाक हिम्मत नहि छनि …ओ अपन दम पर किछ नहि क’ सकैत छथि।
