spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिहेमंत सोरेन केँ पाग आओर साल सँ भेलनि सम्मान : झारखण्ड मैथिली...

हेमंत सोरेन केँ पाग आओर साल सँ भेलनि सम्मान : झारखण्ड मैथिली मंच, रांची

-

लहरि रूम (रांची) : झारखंड मैथिली मंचक शिष्टमंडल द्वारा राज्यक 14म एवं चारिम बेर केँ नव निर्वाचित मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन जी कें,झारखण्ड विधानसभा चुनाव 2024 मे ज़बरदस्त जीत लेल बधाई देल गेल। अहि क्रम मे झारखण्ड राज्य केँ मुखिया हेमंत सोरेन मिथिला केँ संस्कृति सम्मान पाग ,साल देल गेल संगहि साहित्यकार इन्द्र नारायण झाक लिखित मैथिली पोथी” मिथिला दर्शन” सेहो देल गेल ।

अपन मैथिलक स्कूल

आगामी 20, 21 एवं 22 दिसंबर कें राँची मे झारखण्ड मैथिली मंच, रांची केँ द्वारा विद्यापति स्मृति पर्व – 2024 प्रस्तावित अछि। शिष्टमंडल केँ 21 दिसंबर केँ सांस्कृतिक संध्या केँ आयोजनार्थ हेमंत सोरेन केँ बतौर अथिति आबय हेतु हकार देल गेलनि । आजुक शिष्ट मंडल मे झारखण्ड मैथिली मंच, रांची केँ अध्यक्ष विनय कुमार झा, महासचिव जयंत झा, भारतेन्दु झा एवं ब्रज किशोर झा संग अनेको गणमान्य मैथिल लोकनि उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts