राँची (झारखण्ड) : नवरात्रि केँ दौरान सब ठाम शक्ति केँ पूजा भ’ रहल अछि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन राजधानी रांची केँ जाम सँ मुक्त करबा लेल कांटाटोली फ्लाईओवर केँ उपहार देलनि । एकर संग-संग कांके रोड फ्लाईओवरक शिलान्यास सेहो कयलनि अछि ।
राँची केँ सेंट पॉल कैथेड्रल मैदान मे आयोजित समारोह मे मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन धनबाद मे कांटटोली फ्लाईओवर, बिरसा चौक-धुर्वा गोल चक्कर 4 लेन स्मार्ट पथ (रांची) आ कांको चौक-विनोद बिहारी चौक-गोल बिल्डिंग-8 लेन पथ केँ उद्घाटन केलनि। सीएम हेमंत सोरेन कहलनि जे, कांटाटोली फ्लाईओवर तीन साल केँ रिकॉर्ड समय मे पूरा भ’ गेल अछि आ आम लोक केँ समर्पित देलनि ।