spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिहोली मिलन मे खूब जमौलनि रंग : बाबा विद्यापति स्मारक समिति रांची

होली मिलन मे खूब जमौलनि रंग : बाबा विद्यापति स्मारक समिति रांची

-

रांची : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ कार्यालय केँ प्रांगण मे धूमधाम सँ होली सह परिवार मिलन समारोह केँ आयोजन रवि दिन 24 मार्च केँ 12 बजे सँ स्थानीय कार्यलय कचहरी चौक, रांची मे कैल गेल। कार्यक्रम मे गायक रमेश तिवारी, आशु झा, मुकेश झा, विन्दु शेखर झा आओर गायक अश्वनी आनंद द्वारा मधुर पारम्परिक होली गीत संग जोगीरा केँ गीत प्रस्तुत कयल गेल। विशिष्ट अथिति केँ रूप मे समिति केँ स्नेही पूर्व उप महापौर संजीव विजयवर्गीय एवं अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् झारखण्ड प्रदेश केँ अध्यक्ष अमर नाथ झा अपन वक्तव्य सँ समिति केँ कार्यके प्रशंसा कयलनि। आनंद मेला मे पारम्परिक व्यंजन भुजल चूड़ा,तरल माँछ , मालपुआ आओर ठंढई केँ आनंद उपस्थित आगंतुक लोकैन लेला। एक दोसर केँ अबीर गुलाल लगाओल गेल। एहि आयोजन केँ सफल बनबै मे अध्यक्ष जयन्त झा मृत्युंजय झा संतोष मिश्रा नितेश कुमार सिंह विश्व मोहन झा, अशोक मिश्रा आशु झा अश्वनी राजपूत अजीत सिंह, दुर्गा सिंह, ज्ञानदेव झा, अंजनी कांत झा, दिलीप झा, रंजित लाल दास, रमेश भारती, भानु कच्छप, राधेश्याम झा, श्याम किशोर चौबे, प्रेम किशोर झा, अनुप साहू पवन सोनी, जसवंत बरनवाल, अनुप गुप्ता, अनूप झा ,सुजीत झा आओर जयशंकर दुबे आदि अपन योगदान देलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts