spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि10 करोड़ सदस्य लक्ष केँ संग प्रारम्भ भेल BJP केँ सदस्यता अभियान...

10 करोड़ सदस्य लक्ष केँ संग प्रारम्भ भेल BJP केँ सदस्यता अभियान : प्रधानमंत्री मोदी बनला प्रथम सदस्य

-

नई दिल्ली : भारतीय जनता पार्टी देश भरि मे अपन राष्ट्रीय सदस्यता अभियान प्रारम्भ करय जा रहल अछि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आई 2 सितम्बर 2024 सोम केँ साँझ दिल्ली मे भाजपा केँ राष्ट्रीय सदस्यता अभियान- 2024 केँ शुभारंभ कयलनि । एहि कार्यक्रम केँ नाम ‘संगठन पर्व सदस्यता अभियान-2024′ राखल गेल अछि | भाजपा केँ केंद्रीय कार्यालय मे आयोजित कार्यक्रम मे पार्टी केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष आ केंद्रीय मंत्री जेपी नड्डा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ पार्टी केँ पहिल सदस्य बना क’ अपन अभियान केँ शुरु आरम्भ कयलनि । पीएम नरेंद्र मोदी फेर पार्टी केँ टोल फ्री नंबर पर मिस कॉल केँ माध्यम सँ भाजपा केँ सदस्यता लेलनि।

एकर बाद पार्टी केँ अनेको आओर नेता केँ सेहो फेर सँ भाजपा केँ सदस्यता कराओल गेल। नई दिल्ली मे एहि कार्यक्रम सँ भाजपा केँ सदस्यता अभियान देश भर मे प्रारम्भ भ’ गेल । भाजपा मिस कॉल अभियान केँ माध्यम सँ पार्टी केँ सदस्य बनेबाक लेल मिस्ड कॉल नंबर – 8800002024 सेहो जारी केलक अछि। लोक नमो ऐप केँ माध्यम सँ भाजपा केँ सदस्यता सेहो ल’ सकय छथि।

प्रश्न पैघ अछि की भाजपा 10 करोड़ सदस्य बनेबाक केँ लक्ष्य केँ प्राप्त क’ सकैत अछि ?

वर्तमान मे पार्टी के लक्ष्य अछि जे 10 करोड़ सं बेसि लोक के भाजपा के सदस्य बनाबय के अछि। ई सदस्यता अभियान ओहि राज्य मे बाद मे होयत जतय विधानसभा चुनाव केँ घोषणा भेल अछि। जकर कारण बाद मे पार्टीक कुल सदस्यता आओर बढ़ि जायत। भाजपा अधिकारी केँ अनुसार पूर्व अध्यक्ष अमित शाह केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष केँ कार्यकाल मे 2014-15 मे 11 करोड़ लोक भाजपा केँ सदस्यता लेने छलाह। साल 2019 मे सदस्यता अभियान मे 7 करोड़ लोक भाग लेने छलाह, यानी 2019 तक करीब 18 करोड़ लोक भाजपा केँ सदस्य बनि गेल छलाह। मुदा अखन परिस्थिति अनुकूल नहि अछि। वर्ष 2014-15 सँ 19 तक प्रधानमंत्री मोदी केँ लहरि चलैत छल। बंगाल ओहि समय शांत छल। स्पष्ट रूप सँ कही त’ भाजपा सँ जुड़य केँ लेल प्रत्येक व्यक्ति ललायित बुझना जाइत छल। वर्ष 2024 केँ लोकसभा चुनावी परिणाम अयला केँ बाद जतय भाजपा केँ पूर्ण बहुमत केँ सरकार नहि बनि सकल। उत्तर प्रदेश एहन राज्य रेत जकाँ हाथ सँ पिछड़ैत देखबा मे। बनारस सँ स्वयं प्रधान मंत्री मोदी जी केँ चुनावी परिणाम मे नीक संघर्ष केँ सामना करय परलनि। ओहि ठाम ई परीक्षण कतेक भाजपा हेतु कारगर होयत ई त’ सदस्यता केँ संख्या पर निर्भर करैत अछि। जं भाजपा केँ द्वारा स्वयं लेल गेल लक्ष्य केँ प्राप्ति भाजपा क’ लैत अछि त’ ई मानय परत जे भाजपा केँ प्रति आम जनमानस केँ स्नेह ओहिना अछि आओर जं अपन लक्ष्य केँ प्राप्ति नहि क’ पायत तखन विपक्ष पार्टी केँ उपर कतेक हमलावर होयत आ कोन तरहक तंज केँ सामना संगठन मे शीर्षथ लोकनि केँ सुनबा मे एतनि वैह जनता।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts