spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि10 मन पौरल दही आ 2 मन चुरा सँ विकास कयलनि दहि-चुरा...

10 मन पौरल दही आ 2 मन चुरा सँ विकास कयलनि दहि-चुरा के ‘कलकत्ता मे भोज’

-

दही चुरा पर्व के भेल आयोजन
सहयोग सेवा फाउंडेशन द्वारा मिथिलावादी विकास पाठक कयलनि आयोजन
लहरि रूम (रांची) : कोलकाता के बाबा भूतनाथ नीमतल्ला के माँ तारा मंदिर परिसर मे मिथिला के प्रसिद्ध व्यंजन दही चुरा पर्व धूमधाम सँ मनाओल गेल। एहि आयोजन मे 351 पंडित केँ मिथिला के प्रसिद्ध भोजन दही चुरा, चीनी, अचार आ तरकारी परोसल गेल। भोजनक बाद सभ पंडित केँ धोती द’ विदा कयल गेल | एहि आयोजन मे मुख्य अतिथि के रूप मे स्थानीय पार्षद श्री विजय उपाध्याय उपस्थित छलाह | आयोजनक आयोजक मिथिलावादी नेता विकास पाठक कहलनि जे दही चुरा महोत्सव मिथिला के भोजनक खान-पानक संस्कृति सँ जुड़ल अछि आ सब सँ बेसी मे दही चुराक सेवन मिथिला मे होइत अछि। सहयोग सेवा फाउंडेशन के राष्ट्रीय महिला अध्यक्ष श्रीमती पूनम राय सेहो एहि आयोजन में उपस्थित छलीह | एहि आयोजन मे मिथिला मैथिल के संस्था सबके बहुत रास अधिकारी सब भाग लेलनि।

अतिथि सुबीर सिंह, मिथिलावादी नीलेश झा, अतिथि राधेश्याम पाण्डेय, श्री रवि पाण्डेय, समाजसेवी शंभू नाथ झा, अरविंद मिश्र, माँ तारा मंदिर के पुजारी ललन ठाकुर, भूतनाथ रिश्ता संगठन के पुजारी गणेश ठाकुर, संतोष अपन सपूर्ण समूह के संग , रमाकांत झा, मिथिला सेवा ट्रस्ट, विद्यापति जनकल्याण सेवा संस्थान, सोनारपुर के सजीव झा, शाकम्भरी भक्तजन सेवा समिति कोलकाता, मिथिला युवा विकास ट्रस्ट कोलकाता, बांगवासी मैथिल ऊनयन समिति कोलकाता, मिथिला सेवा ट्रस्ट कोलकाता, श्री हनुमान मिथिला भक्त मंडली कोलकाता, राय समाज सेहो उपस्थित छलाह; कार्यक्रम के आयोजक मिथिलावादी नेता विकास पाठक सब गोटे के प्रति आभार व्यक्त केलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts