लहरि रूम : एनडीए सरकार अगिला 10 साल तक रहत, प्रधानमंत्री घोषणा केलनि, कहलनि – जतय कम ,ओतय हम
पीएम मोदी कहलनि जे, एनडीए दक्षिण भारत मे नव राजनीति केँ नींव मजबूत केलक अछि। कर्नाटक आ तेलंगाना देखू। ओतय एखनहि सरकार बनल छल। एक क्षण मे लोकक भ्रम टूटि गेल आ ओ एनडीए केँ अपना बनौलनि । हम तमिलनाडु टीम केँ सेहो बधाई देबय चाहय छी। हमर एनडीए ग्रुप सेहो ओतय बढ़ि गेल अछि। बहुतो केँ बुझल छल जे भ’ सकैत अछि जे सीट नहि जीतब, मुदा फेर कहैत रहलाह जे हम सब एक संग रहब।
भारतीय जनता पार्टी केँ वरिष्ठ नेता नरेंद्र मोदी शुक्रदिन सर्वसम्मति स राष्ट्रीय लोकतांत्रिक गठबंधन संसदीय पार्टी केँ नेता चुनल गेलाह। एहि दौरान ओ बैसार मे उपस्थित समस्त गणमान्य व्यक्ति सब केँ संबोधित कयलनि । ओ कहलनि जे, हम ई बात बहुत जिम्मेदारी केँ संग कहि रहल छी, एनडीए सरकार मे अगिला 10 साल मे हम सब सुशासन, विकास, जीवन केँ गुणवत्ता हासिल करब आ ई हमर व्यक्तिगत सपना अछि। लोकतंत्र केँ समृद्धि के बारे में जखन हम सोचैत छी त’ हमर मानब अछि जे मध्यम वर्ग केँ जीवन मे सरकार केँ जतेक कम हस्तक्षेप होयत ओतेक नीक। आजुक टेक्नोलॉजी केँ युग मे हम सब ई काज क’ सकैत छी। विकसित भारतक सपना पूरा करैत रहब। विस्तार सँ कहब जे सदन मे कोनो पार्टी क’ प्रतिनिधि जे कियो होइथ हमरा लेल सब कियो बराबर छथि। जखन हम सबहक लेल कोशिश करैत छी त’ सदन मे सेहो सब बराबर अछि। इएह एहसास सेहो अछि जकर कारण एनडीए 30 साल सँ आगू बढ़ल अछि। सबके गला लगाबय मे हम सब कोनो प्रयास नहि छोड़ने छी। 2024 मे आ जमीनी स्तर पर जाहि टीम भावना सँ हम सब काज केलहुं अछि। एहन बात नहि जे नेता सब सिर्फ फोटो केँ लेल हाथ लहराबैत छलाह आ फेर अहाँ अपन रास्ता पर चलि गेलहुं आ हम सब अपन रास्ता पर चलि गेलहुं। हम सब सचमुच एक दोसर केँ संग देलहुं। सब सोचैत छल जे जतय कम अछि ओतय हम सब छी। हम कहि सकैत छी जे हमरा सब लग 10 साल क’ अनुभव अछि। हर क्षेत्र आ भारत केँ प्रत्येक नागरिक केँ आकांक्षा आ राष्ट्र केँ आकांक्षा केँ बीच एकटा अटूट कड़ी होबाक चाही। एहन कनेक्शन हेबाक चाही जे ओहि मे हवा नहि गुजरि सकय।
NDA सांसद संबोधित करैत पीएम मोदी कहला जे 2024 क’ जनादेश बेर-बेर एकटा गप क’ मजबूत करि रहल अछि जे आजुक परिदृश्य मे देश क’ भरोसा केवल एनडीए पर अछि। जखन एहन अटूट विश्वास अछि तखन देशक उम्मीद बढ़ब स्वाभाविक अछि। हम पहिने इहो कहने रही जे 10 साल तक जे काज केलहुं ओ सिर्फ ट्रेलर छल… ई सिर्फ चुनावी बयान नहि छल, हमर प्रतिबद्धता छल…