लहरि रूम (पटना): आइ दिन भरि पटना के राजनीतिक गलियारा मे खुब चर्चा के विषय बनल रहल। खबरि इ अछि जे कोर्ट 13 अक्टूबर क’ ‘नौकरी क’ लेल जमीन’ (Land-for-jobs) पर फैसला देत। इ फैसला दिल्ली के राउज एवेन्यू कोर्ट मे सुनाओल जायत। कोर्ट के आदेश अछि जे Land-for-jobs मे सभ आरोपी, जाहि मे राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव, पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी, आओर बिहार के नेता सरकार नेताप्रतिपक्ष तेजस्वी यादव , फैसला सुनला के समय कोर्ट मे उपस्थित रहय परतनि।
कोर्ट के अनुसार राउज एवेन्यू कोर्ट 13 अक्टूबर के भोर 10 बजे Land-for-jobs केस पर अपन फैसला सुनाओत । इ फैसला सीबीआई के विशेष अदालत मे जज विशाल गोगने के कोर्ट सुनाओल जायत।
एक त’ बिहार चुनाव के प्रचार- प्रसार के समय ओहि बीच आयत Land-for-jobs केस के फैसला……
ध्यान देबय वाला बात इ अछि जे जखन 13 अक्टूबर के राउज एवेन्यू कोर्ट लैंड फॉर जॉब्स मामला मे फैसला देत त’ बिहार मे चुनावी प्रचार- प्रसार , आरोप -प्रत्यारोप के गतिविधि चरम पर रहत। जं कोर्ट के फैसला लालू प्रसाद यादव… राबड़ी देवी… तेजस्वी यादव के विरुद्ध चलि गेल त’ इ चुनावी बड़का मुद्दा बनि सकैत अछि। एनडीए के पाला मे ‘बिन मांगे मोती मिले वला” वला वरदानक काज प्रचार- प्रसार हेतु करत। आओर जं कोर्ट फैसला आर जे डी के पक्ष मे कयलक त’ संभावना अछि तेजस्वी सेहो आत्मविश्वास संग लवरेज भ’ जेता।

