spot_img
Saturday, March 21, 2026
spot_img
Homeब्लॉग'1563 अभ्यर्थी केँ ग्रेस मार्क्स (कृपांक) वापस , 23 ​​जून के फेर...

‘1563 अभ्यर्थी केँ ग्रेस मार्क्स (कृपांक) वापस , 23 ​​जून के फेर सँ NEET केँ परीक्षा’, सुप्रीम कोर्ट द्वारा केंद्र केँ आदेश।

-

लहरि रूम : NEET परीक्षा ल’ क’ चलि रहल विवाद केँ बीच आई वृहस्पति दिन 13 जून सुप्रीम कोर्ट मे एक बेर फेर सँ सुनवाई भेल। एहि दौरान केंद्र सर्वोच्च अदालत मे कहलक जे नेशनल टेस्टिंग एजेंसी (एनटीए) क’ नीट-यूजी 2024 क’ 1563 उम्मीदवार क’ ग्रेस मार्क देबाक फैसला वापस ल’ लेल गेल अछि। एहन अभ्यर्थी क’ 23 जून क’ परीक्षा मे फेर सँ सम्मलित हेबाक विकल्प देल जायत । एकर रिजल्ट 30 जून क’ आओत। MBBS , BDS आओर दोसर पाठ्यक्रम मे दाखिला केँ लेल काउंसलिंग 6 जुलाई सँ प्रारम्भ होयत। एहन मे आब छात्र केँ पास विकल्प रहत जे ओ फेर सँ जांच करय चाहय छथि या बिना ग्रेस मार्क केँ काउंसलिंग मे हाजिर रहय चाहय छथि। सुप्रीम कोर्ट कहलनि जे, गड़बड़ी केँ आरोप केँ आधार पर नीट-यूजी 2024 केँ रद्द करय केँ मांग करय वाला याचिका सहित सब याचिका पर 8 जुलाई केँ सुनवाई होयत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts