नई दिल्ली : 9 जून क’ नव सरकार केँ शपथ लेलाक संग 18म लोकसभाक गठन भ’ गेल अछि। एहि सँ पहिने केंद्रीय मंत्रिमंडल केँ पैरवी पर राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू 5 जून केँ 17म लोकसभा केँ भंग कS देने छली। 18म लोकसभाक पहिल सत्र 24 जून सँ प्रारम्भ भ’ रहल अछि। नबका लोकसभा केँ पहिल सत्र केँ दौरान नवनिर्वाचित सदस्य केँ शपथ/पुष्टि, अध्यक्ष केँ चुनाव, राष्ट्रपति केँ संबोधन आ ओहि पर चर्चा होयत। नव लोकसभा सत्र शुरू भेलाक बाद सांसद पहिल दू दिन यानी 24 आ 25 जून क’ सदस्यताक शपथ लेताह। सांसद केँ शपथ ग्रहण पूरा भेला केँ बाद सदन नवका सभापतिक (लोकसभा अध्यक्ष) चयन करत। अगर विपक्ष सर्वसम्मति सँ लोकसभाक अध्यक्षक चयन केँ सरकार केँ प्रस्ताव केँ स्वीकार क’ लेत तखन चुनावक कोनो आवश्यकता नहि होएत। मुदा अगर विपक्ष सेहो अपन उम्मीदवार उतारत त’ लोकसभा केँ नवका अध्यक्ष केँ चुनावक लेल 26 जून क’ सदन मे मतदान भ’ सकैत अछि। दुनू मामला मे लोकसभा केँ नव अध्यक्ष 26 जून क’ प्रभार संभालताह। 27 जून क’ राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू संसद केँ दुनू सदन केँ संयुक्त बैसार केँ संबोधित क’ सकैत छथि।
लोकसभा केँ स्पीकर देश केँ संसद केँ निचला सदन लोकसभा केँ अध्यक्ष होईत छथि । लोकसभा अध्यक्ष सदन केँ कार्यवाही केँ सुचारू संचालन सुनिश्चित करय आ लोकतंत्र केँ सिद्धांत केँ कायम राखय केँ दायित्व वाला महत्वपूर्ण व्यक्ति होईत छथि।