spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि18 सितम्बर सँ राष्ट्रिय जनता दल केँ सदस्यता अभियान केँ होयत शंखनाद

18 सितम्बर सँ राष्ट्रिय जनता दल केँ सदस्यता अभियान केँ होयत शंखनाद

-

पटना : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे लालू प्रसाद केँ पार्टी राजद सेहो बिहार मे सदस्यता अभियान शुरू करय जा रहल अछि। हाँ, बिहार प्रदेश राष्ट्रीय जनता दल के प्रदेश प्रवक्ता एजाज अहमद केँ वक्तव्य छनि जे 18 सितंबर 2024 क’ सदस्यता अभियान पटना सँ राजद केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष लालू प्रसाद द्वारा शुभारम्भ कयल जायत।

एहि अवसर पर नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी प्रसाद यादव, प्रदेश अध्यक्ष जगदानंद सिंह आ पार्टीक समस्त वरिष्ठ नेता उपस्थित रहताह। ओ कहलनि जे, राष्ट्रीय जनता दल नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी प्रसाद यादव द्वारा आयोजित कार्यकर्ता संवाद केँ माध्यम सँ चारि जिला समस्तीपुर, दरभंगा, मधुबनी आ मुजफ्फरपुर केँ कार्यकर्ता केँ संग अपन संकल्प आ विचार केँ मजबूती सँ आदान-प्रदान क’ रहल अछि। पार्टी आ संगठन के मजबूत करय लेल जे कार्यकर्ता सब प्रतिक्रिया द’ रहल छथि ओकरा बड तन्मयता संग तेजस्वी यादव सुनि रहला अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts