लहरि रूम (पटना ) : बिहार मे 62टा आईपीएस अधिकारी केँ तबादला कयल अछि। अवकाश कुमार पटना केँ नव एसएसपी बनाउल गेल अछि। जखन कि राजीव मिश्रा केँ DIG ATS बना देल गेल अछि। कुंदन कृष्णन केँ एडीजी ऑपरेशन आओर डॉ. अमित कुमार जैन केँ एडीजी सीआईडी नियुक्त कयल गेल अछि । कतेको जिलाक एसपी सेहो बदलल गेल अछि।

दरभंगा ग्रामीण केँ एसपी काम्या मिश्रा केँ पुलिस मुख्यालय मे अपन योगदान देबाक लेल निर्देश देल गेल अछि। मधुबनी केँ एसपी सुशील कुमार केँ एसपी मुजफ्फरपुर बनाओल गेल अछि। हुनक स्थान पर योगेंद्र कुमार केँ मधुबनी जिलाक नव एसपी बनाओल गेल अछि।