spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि21 जुलाई 2024 क' होयत विश्व प्रसिद्ध श्रावणी मेला केँ उद्घाटन :...

21 जुलाई 2024 क’ होयत विश्व प्रसिद्ध श्रावणी मेला केँ उद्घाटन : भरि साओन शिवालय मे गूँजत ‘बोलबम’

-

रांची : विश्व प्रसिद्ध श्रावणी मेला श्रावणी मेला – 2024 केँ शुभारम्भ काईल दिनाँक 21 जुलाई क’ होयत। एहि कार्यक्रमक उद्घाटन झारखण्ड सरकार केँ पेय जल स्वच्छता विभाग केँ मंत्री मिथिलेश ठाकुर करता। एहि अवसर पर झारखण्ड सरकार केँ दू टा आओर मंत्री दीपिका पांडये आओर हफीजुल हसन संग गोड्डा लोकसभा केँ सांसद डॉ. निशिकांत दुबे , दुमका सांसद नलिन सोरेन आओर जरमुण्डी विधायक बादल उपस्थित रहता। एहि मेला केँ उद्घाटन 21 जुलाई प्रातः 9:30 बजे होयत।

श्रावणी मेला विश्व केँ सब पैघ मेला अछि। एहि मेला मे कावंर यात्रा केँ प्रधानता अछि। साओन मास मे बिहार केँ सुल्तानगंज केँ उत्तरवाहिनी गंगा सँ जल ल’ क’ श्रद्धालु 95 किलोमीटर कावंर संग पद यात्रा क’ झारखण्ड केँ बाबा नगरी देवघर मे स्थापित बाबा बैजनाथ केँ ओहि जल सँ अभिषेक करैत छथि। एहि कावंर यात्रा मे श्रद्धालु लोकनि एक दोसर केँ ‘बम’ कहैत छथि आओर भरि रास्ता ‘बोल-बम’ केँ नारा सँ गुँजाय मान होईत रहैत अछि। दिन प्रति दिन श्रद्धालु लोकनिक साओन मास बाबा नगरी देवघर मे श्रद्धालु लोकनिक भीड़ बढ़ी रहल अछि, जाहि कारण सँ विगत किछु वर्ष सँ मंदिर परिसर मे कृत्रिम अरघा माध्यम सँ बाबा वैजू नाथ केँ बम लोकनि जलाभिषेक करैत छथि। बाबा नगरी देवघर केँ पंडा समाज संग व्यवसायी वर्ग एहि श्रावणी मेला केँ वर्ष भरी बाट जोहित रहैत छथि।

मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन कयलनि व्यवस्थाक समीक्षा
झारखंड सरकार केँ मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन केँ कहनाय छनि जे साओन महीना मे बाबा बैद्यनाथ धाम मे लाखों भक्त आबय छथि। सरकार आ प्रशासन अपन सुविधा, सुरक्षा आ सहज जल आपूर्ति लेल पूर्ण रूप सँ तैयार अछि। सब विभाग केँ ठोस तैयारी करबाक निर्देश देल गेल अछि। एकर संगहि सख्त निर्देश देल गेल अछि जे श्रावणी मेला मे कोनो तरहक लापरवाही नहि होबाक चाही। लापरवाही केँ स्थिति मे संबंधित अधिकारी केँ विरुद्ध सख्त कार्रवाई कयल जायत। ओ श्रावणी मेला क’ तैयारी केँ संबंध मे अधिकारी सब संग समीक्षा बैसार केलाक बाद अपन वक्तव्य देलनि अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts