
लहरि रूम (पटना) : बिहार मे नीतीश कुमार केँ नेतृत्व मे एनडीए केँ नव सरकारक पहिल कैबिनेट बैसार आई (मंगलदिन) भेल। अनेको फैसला लेल गेल आ 10टा प्रमुख प्रस्ताव केँ स्वीकृति देल गेल देल गेल। मंत्रिमंडल राज्य मे 25टा नव चीनी मिल केँ स्थापना आ 9 टा पुरान बंद मिल केँ फेर सँ प्रारम्भ करबाक महत्वपूर्ण फैसला लेलक। बिहार मे कहियो 33 चीनी मिल छल, जाहि मे पैघ पैमाना पर चीनी केँ उत्पादन होइत छल। सम्भवना अछि जे कुसियारक पैदवार सँ कृषक लोकनि के आओर मिल खुलला सँ बेरोजगार लोकनि के रोजगार भेटबाक उम्मीद जागि गेल अछि।


