spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरि27 नवम्बर 2025केँ हजारीबागमे श्री अविचलजीकेँ साहित्यिक समारोहमे पुरस्कार प्रदान कयल जयतनि...

27 नवम्बर 2025केँ हजारीबागमे श्री अविचलजीकेँ साहित्यिक समारोहमे पुरस्कार प्रदान कयल जयतनि : हितनाथ झा

-

लहरि रूम (रांची) : तीन दशकसँ झारखण्डक भौगोलिक क्षेत्रमे रहैत, निरन्तर मैथिली भाषा-साहित्यक संरक्षण एवं संवर्द्धनमे सन्नद्ध, प्राध्यापकक रूपमे मैथिली शिक्षण, लेखक,सम्पादक, अनुवादकक रूपमे साहित्य सृजन, साहित्य अकादेमीक जेनरल कॉउन्सिलक सदस्य एवं संयोजक(2018-2022), जमशेदपुर सहित झारखण्ड एवं देशक अनेक साहित्यिक संस्थासँ सम्बद्ध एवं भाषा विज्ञानक विद्वान श्री अशोक अविचल(डा. अशोक कुमार झा)केँ त्रिवेणीकान्त ठाकुर साहित्य पुरस्कार- 2025क लेल पाँच सदस्यीय निर्णायक मण्डलक सर्वानुमतिसँ चयन कयल गेलनि अछि।

27 नवम्बर 2025केँ हजारीबागमे श्री अविचलजीकेँ साहित्यिक समारोहमे पुरस्कार प्रदान कयल जयतनि।

विदित हो जे झारखण्डमे स्थायी/अस्थायी कमसँ कम दस वर्ष रहि मैथिली साहित्यक विकासमे अवदानक हेतु एहि पुरस्कारमे ₹11000/- (एगारह हजार टाका मात्र) , प्रशस्तिपत्र , मोमेंटो एवं शॉल प्रदान क ‘ सम्मानित कैल जाइत छनि ….

(सम्पूर्ण खबरि लहरि मीडिया केँ संगरक्षक श्री हितनाथ झा जी के द्वारा सम्पादित अछि।)

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts