
लहरि रूम(पटना) : गृहमंत्री बनैत देरी सम्राट चौधरी अपराधी आओर अपराध पर नकेल क़सबाक लेल सज्ज भ’ गेला अछि । आइ मंगलदिन एहि तैयारी क’ देखाबैत गृहमंत्री सम्राट चौधरी जंगल राज केँ समर्थन करय वाला पर कड़ा प्रहार कयलनि आ स्पष्ट तौर पर कहलथि जे जल्द 400 अपराधी केँ संपत्ति जब्त कैल जाएत। उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी मंगलदिन सरदार पटेल भवन मे स्थित गृह विभाग मे अपन आसन करैत एक्शन मे आबि गेला। प्रथम चरण मे 200 आपराधिक सम्पति केँ जब्त करबाक लेल न्यायालय सँ आदेश ल’ लेल गेल अछि।

सड़क छाप मजनू (रोमियो) पर सेहो हेतनि कार्रवाई
गृहमंत्री कहला जे राज्यक सब स्कूल कॉलेजक नजदीक व्यस्त समय मे विशेष गश्त कैल जायत ताकि कोनो रोमियो लड़की सबके परेशान नहि करि सकय । बिहार पुलिस लड़की के परेशान करय वाला के संग कड़ाई सँ निपटत। एहि लेल स्पॉट केँ चिन्हित कैल गेल अछि। ई चयन प्राप्त शिकायत के आधार पर कयल गेल छल।

