नई दिल्ली : रामनगरी अयोध्या केँ होली अत्यंत महत्वपूर्ण छल। अयोध्या संग सम्पूर्ण भारतवर्ष मे एहि बातक हर्षोलास केँ छल। भगवान् श्री रामलला 495 वर्षक बाद अपन भव्य महल मे होली खेलला। एहि अवसर पर सम्पूर्ण भारत वर्ष सँ राम भक्त पहुँचल छला। आई प्रातः आयोध्या मे सर्वप्रथम मठ मंदिर मे विराजमान भगवान् केँ अबीर गुलाल अर्पित क’ होली प्रारम्भ करबाक अनुमति लेलनि। अनुमति लेलाक बाद सम्पूर्ण अयोध्या रंग उत्सव केँ उल्लास मे डूबि गेल। प्रभु रामलला केँ दरबार मे पूजगरी लोकैन द्वारा प्रभु के ऊपर पुष्प वर्षा क’ हुनक राग भोग आओर शृंगार मे अबीर गुलाल अर्पित कैल गेल। प्रसाद स्वरूप 56 भोग लगाओल गेल। पूजगरी सबकेँ द्वारा होली केँ गीत सुनाओल गेल।
सम्पूर्ण अयोध्या मे भारतवर्ष सँ रामलला केँ दर्शन हेतु पहुँचला आओर होली केँ गीत पर नचैत -गबैत देखल गेला।
