spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि5 अगस्त (सोम दिन ) होयत बाबा भोलेनाथ केँ रुद्राभिषेक : बाबा...

5 अगस्त (सोम दिन ) होयत बाबा भोलेनाथ केँ रुद्राभिषेक : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, राँची

-

राँची (झारखण्ड) : आई दिनांक 12/7/2024 बाबा विद्यापति स्मारक समिति केँ कार्यालय मे जयंत झा के अध्यक्षता मे आगु कार्यक्रमक रूप रेखा तैयार करबाक हेतु महत्वपूर्ण बैसार भेल | आजुक बैसार मे सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल जे आगामी साओन मासक तेसर सोमवारी क’ समिति कार्यालय मे रुद्राभिषेक यज्ञक आयोजन होयत। आजुक बैसार मे सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल जे 5 अगस्त केँ रुद्राभिषेक यज्ञ मे पंडीत श्री मुकेश झा शास्त्री जी द्वारा यज्ञ केँ सम्पन्न कराओल जायत समिति केँ मुख्य संरक्षक श्री आशु झा यजमान केँ रूप मे उपस्थित रहताह | आजुक बैसार मे समिति केँ अध्यक्ष श्री जयंत झा, आशु झा, उदित नारायण ठाकुर, देवेन्द्र ठाकुर, पूर्णेंदु ठाकुर, ज्ञानदेव झा, मृत्युंजय झा, संतोष मिश्र, अशोक मिश्र, भवेश मिश्र, गोपाल ठाकुर, अंजनी कांत झा, अमरनाथ झा, आशुतोष झा, जय शंकर दुबे, श्याम किशोर चौबे, रमेश भारती, भानु कछाप, बिमल कछाप, अशोक पाण्डेय संग सब समाजक लोक उपस्थित छला | उपरोक्त जानकारी समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा द्वारा देल गेल अछि |

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts