रांची : काल्हि 2 मई 2024 वृहस्पति दिन रांची केँ सांसद संजय सेठ आगामी लोकसभा चुनाव 2024 हेतु NDA केँ प्रत्याशी बनि भारतीय जनता पार्टी बनि अपन नामांकन दाखिल करताह एहि नामांकन कार्यक्रम मे उत्तराखंड केँ मुख्यमंत्री पुष्कर सिंह धामी, भाजपा के प्रदेश अध्यक्ष, पूर्व मुख्यमंत्री बाबूलाल मरांडी, आजसू केँ प्रदेश अध्यक्ष सुदेश महतो, जनता दल यूनाइटेड केँ प्रदेश अध्यक्ष खिरू महतो, सब सांसद, विधायक, आ राज्य केँ सब अधिकारी विशेष रूप सँ उपस्थित रहताह। भोर 7:00 बजे सांसद संजय सेठ हनुमान मंदिर मे पूजा करताह, तकर बाद 7:15 बजे काली मंदिर मे पूजा करताह, भोर 7:30 बजे डोरंडा बाबा साहेब अम्बेडकर केँ प्रतिमा पर माल्यार्पण करताह। 7:40 बजे रांची डोरंडा मेकन केँ समीप स्वामी विवेकानंद चौक पर प्रतिमा पर माल्यार्पण , 7:50 मेम काली मंदिर मणि टोला मे पूजा अर्चना , 8:00 बजे बिरसा चौक पर भगवान बिरसा मुंडा की प्रतिमा माल्यार्पण , 8:10 बजे श्यामा प्रसाद मुखर्जी केँ प्रतिमा पर माल्यार्पण , 8:20 बजे दीनदयाल उपाध्याय की प्रतिमा पर माल्यार्पण। 9:00 बजे ओटीसी मैदान मे आयोजित मोटरसाइकिल रैली संग रोड सो करैत मुराबादी मैदान पहुंचत। मोराबादी मैदान पहुँचता। एहि आयोजन अछि जे 6 विधानसभा सँ 50 हजार सँ बेसी कार्यकर्ता केँ उपस्थिति हेतनि। पुनः 11 बजे गाजा बाजाक संग ल’ क’ रोड शो क’ माध्यम सँ नामांकन हेतु उपायुक्त कार्यालय लेल प्रस्थान करत।
उपर्युक्त जानकारी प्रवक्ता संजय पोद्दार देलनि
Trending Now

50,000 सँ बेसी समर्थक संग लोकसभा केँ नामांकन करता संजय सेठ : संजय पोद्दार
-