लहरि रूम : एहि बेर लोकसभा चुनाव सात चरण मे भ’ रहल अछि आओर 4 जून क’ चुनाव क’ परिणाम घोषित भ’ जाएत। 16 मार्च क’ चुनाव आयोग द्वारा लोकसभा चुनाव केँ घोषणाक संग आचार संहिता लागू भेल छल । एहन स्थिति मे सब राजनीतिक दल अपन पार्टी केँ पक्ष मे चुनाव प्रचार मे अपन पूरा ताकत द’ देने छल।18म लोकसभाक लेल 7म आओर अंतिम चरण केँ चुनाव प्रचार आई वृहस्पति दिन 30 मई 2024 क’ सांझ मे समाप्त भ’ गेल। 7म चरण मे मतदान 1 जून क’ होयत।
पीएम मोदी, अनुप्रिया पटेल, रवि किशन , निशिकांत दुबे संग अनेको नेता केँ होयत भाग्यक फैसला
वाराणसी सँ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क’ अलावा 7म चरण मे प्रमुख उम्मीदवार मे केंद्रीय मंत्री अपन दल (एस) क’ नेता अनुप्रिया पटेल (मिर्जापुर), बलिया सँ पूर्व प्रधानमंत्री चंद्रशेखरक बेटा नीरज शेखर, गाजीपुर सँ माफिया मुख्तार अंसारी क’ भाई अफजल अंसारी , गोड्डा सँ निशिकांत दुबे , दुमका सँ झारखण्ड मुक्ति मोर्चा सँ बीजेपी मे सम्मलित भेल दिशोम गुरु शिबू सोरेन केँ पुतौहु सीता सोरेन , चंदौली सँ मंत्री महेन्द्र नाथ पाण्डेय, महाराजगंज सँ केंद्रीय मंत्री पंकज चौधरी, गोरखपुर सँ भोजपुरी अभिनेता रवि किशन संग अनेको दिग्गज नेताक भाग्यक फैसला 1 जून क’ होयत।