spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि99 केँ चक्कर मे फसल कांग्रेस : 'मोदी' केँ रहितो भारतीय जनता...

99 केँ चक्कर मे फसल कांग्रेस : ‘मोदी’ केँ रहितो भारतीय जनता पार्टी केँ नहि भेटल बहुमत

-

लहरि रूम : भारत केँ चुनाव आयोग लोकसभा केँ सभ 543 क्षेत्र केँ अंतिम परिणाम जारी क’ देलक अछि, जाहि मे भारतीय जनता पार्टी केँ 240 सीट पर आओर कांग्रेस केँ 99 सीट पर विजयी घोषित कयल गेल अछि। महाराष्ट्र केँ बीड निर्वाचन क्षेत्रक अंतिम परिणाम घोषित भेल। एहि सीट पर राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टी (शरदचंद्र पवार) केँ उम्मीदवार बजरंग मनोहर सोनावाने भाजपा केँ पंकजा मुंडे केँ 6553 वोट सँ पराजित कयलनि।

लोकसभा मे 543 सदस्य अछि, बुधदिन जारी अंतिम परिणामक अनुसार राष्ट्रीय लोकतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) बहुमत केँ अकड़ा पार क’ गेल अछि आ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी लगातार तेसर बेर सरकार बनेबा लेल जा रहल छथि।हिन्दी भाषी तीन राज्य मे भाजपा केँ भारी संख्या मे सीटक हानि भेल अछि। एहि बेर सेहो भाजपा केँ उम्मीदवार मोदी कें नाम पर चुनाव लड़ल छला। मुदा पार्टी केँ 240 सीट भेटल अछि जे बहुमत के लेल जरूरी 272 सीट सँ कम अछि।

एहन मे भाजपा केँ सरकार बनेबा लेल एनडीए मे सहयोगी दल केँ समर्थन चाही। 2019 केँ आम चुनाव मे भाजपा 303 सीट आओर 2014 केँ चुनाव मे 282 सीट पर जीत हासिल केने छल। एनडीए केँ प्रमुख सहयोगी एन चंद्रबाबू नायडू केँ तेलुगु देशम पार्टी (टीडीपी) केँ आंध्र प्रदेश मे 16 सीट आओर बिहार मे नीतीश कुमार केँ जनता दल संयुक्त (जदयू) केँ 12 सीट प्राप्त भेल अछि।

एहन स्थिति मे उपरोक्त दूनू आ अन्य सहयोगी दल केँ सहयोग सँ एनडीए बहुमत केँ निशान पार करि लेलक अछि। विपक्षी दल ‘I-N-D-I गठबंधन ’ क’ समूह मे शामिल कांग्रेस केँ 99 सीट भेटल अछि जखन कि साल 2019 मे 52 सीट भेटल छल।

राजस्थान आ हरियाणा मे कांग्रेस क बेहतर प्रदर्शन क’ कारण एहि राज्य मे भाजपा केँ पैघ नुकसान उठाबय पड़ल। समाजवादी पार्टी उत्तर प्रदेश मे 37 सीट जीती क’ ‘I-N-D-I गठबंधन केँ मजबूत स्थिति मे आनि देलक। जखन की विपक्षी गठबंधन केँ एकटा प्रमुख घटक दल तृणमूल कांग्रेस (टीएमसी) केँ पश्चिम बंगाल मे 29 सीट प्राप्त भेल अछि , जे 2019 मे 22 सीट छल ।

कहबि छैक
यो ध्रुवाणि परित्यज्य अध्रुवाणि निषेवते |
ध्रुवाणि तस्य नश्यन्ति अध्रुवं नष्टमेव च ||

अर्थात : जे व्यक्ति कोनो काज (वा वस्तु) केँ छोड़ि क’ जेकर पूर्ण होयब निश्चित अछि आ दोसर अनिश्चित काज केँ पूरा करय दिस बढ़ैत अछि, ओ पहिल काज केँ त’ नष्ट क’ दैत अछि, दोसर अनिश्चित काज केँ सेहो नष्ट क’ दैत अछि।

उत्तर प्रदेश ,जे भारतीय जनता पार्टी स्थापित विजय सीट छल ओहि केँ भगवान् केँ भरोसे छोड़ी , अपन अनिश्चित सम्पूर्ण प्रयास पश्चिम बंगाल मे लगौलक। जेकर परिणाम सामने अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts