spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिPURI RATH YATRA रथ यात्रा मे भगदड़ सन स्थिति उत्पन्न भेल ;...

PURI RATH YATRA रथ यात्रा मे भगदड़ सन स्थिति उत्पन्न भेल ; एक बुजुर्ग केँ मृत्यु , 15 भक्त घायल

-

नई दिल्ली : रथ यात्रा उत्सव प्रारंभ होइते लाख-क-लाख संख्या मे भक्त लोकनिक द्वारा 12म शताब्दी केँ जगन्नाथ मंदिर सँ लगभग 2.5 किलोमीटर दूर गुंडीचा मंदिर दिस काठक बनल विशाल रथ मे लागल रस्सा सँ खीचय लगला। पुरी के शंकराचार्य स्वामी निश्चलानन्द सरस्वती अपन शिष्यक सब केँ संग भगवान जगन्नाथ, भगवान बलभद्र आ देवी सुभद्रा केँ रथक दर्शन केलाक बाद लगभग 5.20 बजे यात्रा प्रारम्भ भेल आ पुरी केँ राजा द्वारा ‘छेरा पहानार’ (रथक सफाई) केँ संस्कार पूर्ण भेल | राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू तीनू रथक परिक्रमा क’ देवता लोकनिक प्रणाम केलनि ।

महामहिम राष्ट्रपति मुर्मू, राज्यपाल रघुबर दास, मुख्यमंत्री मोहन चरण माझी आ केंद्रीय मंत्री धर्मेन्द्र प्रधान भगवान जगन्नाथक रथ नंदीघोष केँ रस्सा खींच क’ ‘यात्रा’ केँ शुभारम्भ कयलनि ।

रविदिन ओडिशा केँ पुरी मे रथ यात्रा के दौरान रथ खींचैत काल भगदड़ सन स्थिति आबि गेल। एहि घटना मे एकटा बुजुर्गक मृत्यु भ’ गेल। जखन कि 15 भक्त घायल भ’ गेलाह। किछु घायल केँ हालत गंभीर बनल अछि। वर्तमान समय मे सबके इलाज पुरी जिला अस्पताल मे चलि रहल अछि। मुख्यमंत्री मोहन चरण माझी रथ यात्रा केँ दौरान भक्त केँ निधन पर गहरा शोक व्यक्त केलनि। हुनकर परिवार केँ 4 लाख टकाकेँ अनुग्रह राशि देबाक घोषणा कयलनि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts