spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकांग्रेसक आरोप अछि, ‘NRA चारि सालमे एको परीक्षा किएक नहि लेलक’

कांग्रेसक आरोप अछि, ‘NRA चारि सालमे एको परीक्षा किएक नहि लेलक’

-

नई दिल्ली/ कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे रविदिन आरोप लगओलनि जे भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) आ राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) शिक्षा व्यवस्थाकेँ नष्ट करबाक लेल किछियो कऽ सकैत अछि। ओ पूछलनि जे राष्ट्रीय भर्ती एजेंसी (एनआरए) पिछला चारि साल मे एको परीक्षा किएक नहि आयोजित केलक अछि।

खड़गे के प्रतिक्रिया शनिदिन मुम्बई मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के ओहि टिप्पणी पर आयल जे पछिला तीन-चारि साल मे आठ करोड़ नव रोजगार के सृजन बेरोजगारी के बारे मे झूठी अफवाह फैलाबै वाला के चुप कऽ देलकै ।

नरेन्द्र मोदी जी, काल्हि अहाँ मुम्बईमे नौकरी देबाक लेल झूठक जाल बना रहल छलहुँ। हम अहां के फेर सँ मोन पाड़य चाहैत छी जे जखन अहाँ एनआरए के घोषणा केलहुं तखन अहां की कहलहुं।

अगस्त २०२० मे अहाँ कहने छलहुँ जे एनआरए करोड़ो युवाक लेल वरदान साबित होयत आ कॉमन एलिजिबिलिटी टेस्टक माध्यमसँ ई कतेको परीक्षाकेँ समाप्त कऽ देत, बहुमूल्य समयक सङ्ग-सङ्ग संसाधनक बचत करत। एहिसँ पारदर्शिताकेँ सेहो पैघ बढ़ावा भेटत।

हमरा लग तीनटा प्रश्न अछि – एनआरए पिछला चारि साल सँ एकटा परीक्षा किएक नहि लेलक? एनआरएकेँ ₹1,517.57 करोड़क फंड देलाक बादो 4 सालमे एखन धरि मात्र 58 करोड़ टाका खर्च किएक भेल अछि? एनआरए सरकारी नौकरीक भर्तीक लेल एकटा संगठन छल। की एनआरएकेँ जानबूझ कऽ निष्क्रिय राखल गेल छल जाहिसँ एससी, एसटी, ओबीसी आ ईडब्ल्यूएस श्रेणीक युवाकेँ आरक्षण अधिकारसँ वंचित कयल जा सकय?

खड़गे आरोप लगओलनि जे एनटीएक माध्यमसँ धांधली, पेपर लीक आ घोटाला कयल गेल आ एनआरए परीक्षा आयोजित नहि कयल गेल। एनटीए नीट-यूजी सन राष्ट्रीय प्रतियोगी परीक्षामे अनियमितताक आरोपसँ विवादमे अछि।

खड़गे आरोप लगओलनि जे भाजपा-आरएसएस शिक्षा व्यवस्थाकेँ नष्ट करबा आ युवाक भविष्य बर्बाद करबामे अग्रणी रहल अछि। ओ कहलखिन, ष्हम एनआरए के मुद्दा पहिने उठौने छलहुं, मुदा मोदी सरकार चुप्पी के अनशन पर बैसल अछि।

कांग्रेस महासचिव जयराम रमेश ‘एक्स’ पर पोस्टमे एकटा मीडिया रिपोर्टक हवाला देलनि जाहिमे दावा कयल गेल छल जे एनआरए पछिला चारि सालमे ५८ करोड़ टाका खर्च कयलाक बादो एकटा परीक्षा आयोजित नहि कऽ सकल अछि।

केंद्र सरकार २०२० मे युवाक लेल श्एक राष्ट्र, एक परीक्षाश्क घोषणा कयलक आ बहुत धूमधामसँ एनआरएकेँ जिम्मेदारी सौंपलक। रमेश कहलखिन, ष्लेकिन, ई एजेंसी पिछला चारि साल मे 58 करोड़ रुपया खर्च करय के बादो एको परीक्षा आयोजित नहि कऽ सकल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts