पटना : मैथिली मिथिला केँ शीर्षस्थ संस्था चेतना समिति आ सांस्कृतिक महासभा, असम केँ संयुक्त तत्वावधान मे आगामी 10 एवं 11 अगस्त क’ विद्यापति भवन पटना मे ‘असम- मिथिला महोत्सव’ केँ आयोजन करबाक निर्णय लेल गेल अछि। जाहि मे दुनू भू- भाग केँ अनेकों लोक नृत्य, लोक गीत केँ प्रस्तुति होयत। एहि आयोजन मे असमिया संस्कृति आओर मिथिला संस्कृति सँ जुड़ल 50 – 50 कलाकार केँ सहभागिता हेतनि। कला प्रदर्शनी केँ आयोजन सेहो जाहि मे मिथिला पेंटिग केँ स्टाल संग मिथिला आओर असम केँ पाबनि तिहार रीत- रिवाज केँ प्रदर्शन सेहो होयत। 10 अगस्त क’ संध्या 5 बजे एहि आयोजन केँ उद्घाटन बिहार सरकार केँ पर्यटन मंत्री नीतीश मिश्र जी केँ द्वारा होयत। एहि आयोजन मे दिनांक 11 अगस्त क’ पूर्वाह्न 11 बजे सं मिथिला आ कामरूपक ऐतिहासिक सबंध, मिथिला आ कामरूपक भाषा सहित्य मे सबंध आ कामरूपक सांस्कृतिक संबध आदि विषय पर डॉ. रत्नेश्वर मिश्र, डॉ. रामनन्द झा ‘रमण’ तथा प्रवीण भरद्वाज द्वारा व्याख्यान देल जायत। चेतना समिति केँ सचिव उमेश मिश्र जी कहलनि जे एहि आयोजन हेतु देश भरि केँ मैथिली- मिथिला केँ क्षेत्र केँ कलाकार, संस्था आओर मूर्धन्य विद्वान सबके आमंत्रण पठाओल गेल अछि।
आयोजित प्रेस वार्ता मे चेतना समिति केँ उपाध्यक्ष डॉ प्रेमलता मिश्र ‘प्रेम’ , अरुण कुमार झा, ऋषि मिश्र, कोषाध्यक्ष जयदेव मिश्र, संयुक्त सचिव मदन कुमार पाठक, डॉ शिला चौधरी, मंजू झा, संगठन सचिव मनोज कुमार झा, प्रचार सचिव अनिल कुमार झा आदि उपस्थित छला।