दरभंगा (मिथिला -बिहार) : 78 म स्वतंत्रता दिवस केर अवसर पर विद्यापति सेवा संस्थानमे संस्थानक अध्यक्ष सह कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक पूर्व कुलपति प्रो. शशिनाथ झा वृहस्पति दिन झंडोत्तोलन कयलनि। एहि अवसर पर अपन संबोधनमे ओ कहलनि जे आजादी केँ ई पावनि सिर्फ उत्सव मनेबा धरि सीमित नहि अछि, अपितु ई ओहि दिन कें याद करबाक प्रतीक अछि, जखन अनेक वीर सपूतक अमर बलिदान आ संघर्षक नम्हर लड़ाई लड़लाक बाद देशवासी स्वतंत्र भारत केर सूर्योदय देखने रहथि। ओ कहलनि जे स्वतंत्र भारतमे आजादी केर सूरज देखबा लेल देशक घर-घरमे एकटा एहन ज्वाला उठल छल, जे समय केर संग अपन विशाल रूप कें धारण कयलक आ क्रांति केर आगि भारतक आजादी केर सपना कें साकार कऽ दखोलक। एहि अवसर पर विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू भारतक एक अरब तीस करोड़ जनता कें शुभकामना दैत मैथिल जन सँ मातृभूमि मिथिला आ मातृभाषा मैथिली केर विकासक प्रति अपन कर्तव्य बोधक प्रदर्शन करबाक आह्वान कयलनि। एहि अवसर पर वरिष्ठ साहित्यकार मणिकांत झा, मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढ़ा भाई, डॉ उदय कांत मिश्र, विनोद कुमार झा, डॉ गणेश कांत झा, दुर्गानंद झा, हरि किशोर चौधरी, आशीष चौधरी, गिरधारी झा, जयनारायण साह आ पुरूषोत्तम वत्स सहित अनेक गणमान्य लोकक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।
Trending Now
