लहरि रूम (रांची) : मैथिली अधिकार दिवस केँ अवसर पर झारखंड मैथिली मंच,रांची केँ तत्वावधान मे बाबा विद्यापति दलान हरमू केँ प्रांगण मे साहित्यिक चर्चा, रूपा मिश्र विदेह साहित्य सम्मान, पुस्तक विमोचन, कवि संगोष्ठी आ मैथिली पंचांग सह कैलेंडर 2025 केँ लोकार्पण केँ कार्यक्रम केँ माध्यम सँ आयोजित कयल गेल । कार्यक्रम मे आदरणीय राज्यसभा संसद सदस्य आदित्य साहू,हटिया विधायक नवीन जायसवाल विधायक, कृपा नंद झा “आईएएस”, साहित्यकार अशोक कथाकार, डॉ. विद्यानाथ झा “विदित”, लक्ष्मण झा “। सागर”, डॉ. रमन कुमार झा “कुलपति” I C F A उपस्थित संग अनेको गणमान्य लोकनिक उपस्थिति रहल ।

मंच पर बैसल विशेष अतिथि लोकनि केँ मिथिला संस्कृति सम्मान पाग, दुपट्टा आ पुष्प सँ स्वागत कायल गेल। कार्यक्रमक शुभारम्भ महाकवि विद्यापति केँ हुनकर चित्र पर पुष्प अर्पित क’ श्रद्धा सुमन देल गेल छल तत्पश्चात अतिथि द्वारा दीप प्रज्वलित क’ कार्यक्रम केँ उद्घाटन कयल गेल । तत्पश्चात मिथिला परम्परा केँ अनुसार विद्यापति रचित भगवती वंदना जय जय भैरवी असुर भयौनी के प्रस्तुति केँ संग कार्यक्रम केँ शुभ आरम्भ श्रीमती बबिता झा, श्रीमती सुनीता झा, श्रीमती अनिता झा, श्रीमती बिट्टू झा आ श्रीमती नमिता केँ द्वारा समूह गायन केँ संग भेल। मंच के बहिना प्रकोष्ठ केँ द्वारा अहि उपरांत सामूहिक राष्ट्रगान भेल । अतिथि लोकनि अपन विचार रखलनि आ कार्यक्रमक सराहना केलनि आ आयोजक लोकनि केँ धन्यवाद देलनि । श्री भरतेन्दु कुमार झा जी शुरू सँ अंत तक अपन हृदयस्पर्शी मंच प्रबंधन सँ अतिथि आ दर्शक कए व्यस्त रखलथि ।

एकर बाद अतिथि आ मंच अधिकारी लोकनि द्वारा कथाकार श्री अशोक केँ रूप मिश्र विदेह साहित्य सम्मान संयुक्त रूप सँ भेंट कयल गेल | सम्मान मे पाग, दुपट्टा आ स्मृति चिन्ह केँ संग 35 हजार रुपैया केँ चेक सम्मानपूर्वक भेंट कयल गेल। सम्मान मे महासचिव श्री जयंत कुमार झा, डॉ. विद्यानाथ झा विदित जी अपन भावना व्यक्त केलनि आ श्री हित नाथ झा प्रमाण पत्र पढ़ि सौंप देलनि। तत्पश्चात कथाकार श्री अशोक अपन भाषण मे कहलनि जे एहि मंच द्वारा प्रति वर्ष सम्मान देब एकटा सराहनीय डेग अछि एहि सँ साहित्यकार लोकनिक बीच सकारात्मक संदेश भेटैत अछि आ हुनकर रचनाक प्रति उत्साह बढ़ैत अछि। कवि मे सुरेन्द्र नाथ, हित नाथ झा, अशोक, . अशोक प्रियदर्शी, कुमार मनीष अरविंद, आत्मेश्वर झा, राज कुमार मिश्र, कौशल किशोर झा , विनोद कुमार झा, डॉ. आकांक्षा चौधरी, अंजू झा, सुकुमार नाथ झा, दिवाकर झा, लक्ष्मण झा सागर, शैल झा सागर, कल्याणी झा, अमृता मिश्रा, महेन्द्र झा, ललित कुमार झा जी अपन कविता सँ उपस्थित श्रोता बन्धु लोकनि केँ आनंदित कयलनि।

विवेकानंद झा द्वारा लिखल”Living Legend of Mithila ( Part 2)” विवेकानंद झा द्वारा लिखल पुस्तक केँ विमोचन भेल |आकर्षक मैथिली पंचांग सह कैलेंडर विमोचन भेल जाहि मे उपस्थित अतिथि आ मंच केँ पदाधिकारी सब संयुक्त रूप सँ भाग लेलनि।अहि बेर बैंक ऑफ महाराष्ट्र केँ सौजन्य सँ कैलेंडर तैयार कैल गेल अछि। कार्यक्रम मे उपस्थित सब गोटे केँ कैलेंडर भेंट कयल गेल। अंत मे श्री अरुण कुमार झा आभार व्यक्त केलनि ।उपस्थित सब लोकनि मिथिलाक प्रसिद्ध भोजन चुरा-दही आदि केँ भोजन कयलनि । अहि आयोजन केँ सफल बनेबा मे जयंत कुमार झा, संतोष कुमार मिश्र, भरतेन्दु कुमार झा, रणधीर झा, सतीश कुमार मिश्र, ब्रज कुमार झा, अरुण कुमार झा, मकर चौधरी, आशुतोष मिश्र ,संतोष कुमार कार्यक्रम केँ अहम् भूमिका छल।