लहरि रूम (नई दिल्ली ) : राष्ट्रपति भवन आई शुक्र दिन क’ कांग्रेस संसदीय पार्टी कें अध्यक्ष सोनिया गांधी द्वारा राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू पर करल गेल ‘खराब बात’ के टिप्पणी के आलोचना करैत ओकरा ‘खराब स्वाद’ कहलक । राष्ट्रपति कार्यालय द्वारा कहल गेल जे संभव अछि जे नेता सब हिन्दी जेहन भारतीय भाषा के मुहावरा आ प्रवचन सँ परिचित नहि सकैत छथि आओर येह यही कारण गलत धारणा बनि गेल ।राष्ट्रपति कार्यालय द्वारा जारी बयान मे कहल गेल कोनो हालत मे एहन टिप्पणी गलत, दुर्भाग्यपूर्ण अछि। राष्ट्रपति भवन सँ मीडिया कें संबोधित करैत कहल गेल अहि तरहक टिपण्णी जे राष्ट्रपति अंत मे थाकि गेल छलिह ई कथन ‘अस्वीकार्य’ अछि। अहि तरहक बयान बाजी सँ उच्च पद कें गरिमा कम होइत अछि। महामहिम राष्ट्रपति कतहुँ थाकल नहि छलि कहियो हुनक भाषण थकाऊ नहि भ’ सकैत अछि।

की अछि घटना :
बताबी जे कांग्रेस संसदीय पार्टी प्रमुख सोनिया गांधी शुक्रदिन राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू के संबोधन के बाद कहललनि जे ओ अपन संबोधन के अंत तक थाकि गेल छलि आओर बाजय मे दिक्कत होईत छलैन। संसद परिसर मे संवाददाता लोकनि सन बात करैत सोनिया गाँधी कहलथि जे ‘‘अंत तक राष्ट्रपति बहुत थक गई थीं…वह मुश्किल से बोल पा रही थीं, बेचारी।’’ अहि बेचारी शब्द कें ल’ विवाद अछि।
