लहरी रूम (रांची) : बांग्ला साहित्य के साहित्यकार विभूतिभूषण बंदोपाध्याय द्वारा रचित हुनक उपन्यास आरण्यक के मैथिली मे अनुवादक ‘केष्कर ठाकुर’ के साहित्य अकादेमी अनुवाद पुरस्कार 2024 सँ सम्मानित कैल गेलनि अछि।

साहित्य अकादेमी द्वारा अग्रसारित प्रेस विज्ञप्ति सँ प्राप्त भेल सूचना के आधार पर – साहित्य अकादेमी के अध्यक्ष माधव कौशिक के अध्यक्षता मे सम्पूर्ण भारतीय भाषा साहित्य मे सँ 21 भाषा के अनुवादक के साहित्यकार लोकनिक साहित्य अकादेमी अनुवाद पुरस्कार 2024 हेतु सूचि जारी केलक अछि। जाहि मे मैथिली साहित्यकार ‘केष्कर ठाकुर’ के नाम अनुवादक पुरस्कार हेतु संलग्न छनि। श्रीमान ‘केष्कर ठाकुर’ के अहि उपलब्धि सँ सम्पूर्ण मैथिली साहित्य जगत गौरवान्वित अछि। साहित्य अकादेमी द्वारा आयोजित आगामी विशिष्ट कार्यक्रम मे श्रीमान ‘केष्कर ठाकुर’ के ताम्रफलक संग 50,000/- संग नकद सम्मान राशि प्रदान कयल जायत।

श्रीमान ‘केष्कर ठाकुर’ जी के अहि उपलब्धि सँ हुनक पैतृक ग्राम समौल (मधुबनी -बिहार) मे अत्यंत हर्ष अछि। समौल ग्रामवासी सबके द्वारा सम्मान- कार्यक्रम के माध्यम सन श्रीमान ठाकुर जी सम्मानित कयल गेल।
