लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ प्राप्त भेल जानकारी केर अनुसार
जम्मू-कश्मीर केर पहलगाम शहर के नजदीक ‘मिनी स्विट्जरलैंड’ के नाम सँ जानलऽ जाय वाला पर्यटन स्थल बैसरन मे मंगल दिन 22 अप्रैल 2025 क’ आतंकी हमला भेल । एखन धरि एहि आतंकी हमला मे 28 गोटे के मृत्यु भ’ चुकल अछि। मारल गेल लोक मे बेसी पर्यटक छला । 2019 मे पुलवामा हमला के बाद घाटी मे ई सबसँ पैघ हमला अछि। मारल गेल व्यक्ति मे दूटा विदेशी (संयुक्त अरब अमीरात आ नेपाल ) आओर दूटा स्थानीय निवासी सेहो सम्मलित छथि। 26 लोक मे सँ 22 गोटे के पहचान भ गेल अछि आओर बाकी के पहचान भ’ रहल अछि। लश्कर-ए-तैयबा के संगठन ‘द रेजिस्टेंस फ्रंट’ (टीआरएफ) पहलगाम आतंकी हमला के जिम्मेदारी लेने अछि। हमला के मास्टरमाइंड आतंकी सैफुल्लाह खालिद अछि । सैफुल्ला जम्मू-कश्मीर मे लश्कर आ टीआरएफ के आतंकी गतिविधि के मुख्य ऑपरेटर छैथ।सैफुल्लाह खालिद क॑ सैफुल्लाह कसूरी के नाम सँ सेहो जानलऽ जायत छैथ । ओ लश्कर-ए-तैबा केरऽ डिप्टी चीफ संग अंतरराष्ट्रीय आतंकी हाफिज सईद के बहुत करीबी मानल जायत छथि ।
पाकिस्तानी सेना के पसंदीदा व्यक्तित्व छथि सैफुल्लाह खालिद
पाकिस्तान मे सैफुल्लाह खालिद बहुत बर्चस्व रखैत छथि हुनक स्वागत पुष्प वर्षा सँ होइत छनि। पाकिस्तान मे वीवीआईपी जकाँ घुमैत रहैत छथि । सैफुल्लाह दू मास पहिने पाकिस्तानक कब्जा वाला पंजाब के कंगनपुर क्षेत्र मे मे आयल छलाह। पाकिस्तानी सेना के कर्नल जाहिद जरीन खटक द्वारा हिनक भाषण कराओल गेल छल। एतय ओ भारतीय सेना आ भारतक जनताक विरोध मे भाषण देने छला ।
कश्मीर मे हमलाक खुलेआम घोषणा भेल छल !
खैबर पख्तूनख्वा मे आयोजित बैसार मे सैफुल्लाह द्वारा भारत के स्वतंत्र रूप सँ चेतावनी देल गेल छल । ओ कहने छलाह, ” आइ 2 फरवरी अछि। हम वादा करैत छी जे 2 फरवरी 2026 तक हम सब कश्मीर पर कब्जा करबाक पूरा कोशिश करब। ओ एतय घोषणा केलनि जे आगामी दिन मे हमर मुजाहिदीन हमला तेज करत। उम्मीद अछि जे कश्मीर 2 फरवरी 2026 तक स्वतंत्र भ’ जायत ।”
ई बैसार पाकिस्तान सेना आओर आईएसआई द्वारा आयोजित कराओल गेल छल । ओतय भारी संख्या मे सशस्त्र आतंकी खुलेआम मौजूद छल।
भारतीय खुफिया एजेंसी के अनुसार टीआरएफ के दू सबसँ खतरनाक विंग अछि , ‘फाल्कन स्क्वाड’ आ ‘हिट स्क्वाड’ । दुनू संगठनकश्मीर घाटी मे निशाना पर हत्या करबाक जिम्मेदारी लेने अछि। आब भारतीय खुफिया एजेंसी के लेल सैफुल्लाह खालिद आओर हुनका सन आतंकवादी के जड़ि सँ उखाड़ब जरूरी भ’ गेल अछि। तखनहि कश्मीर मे शांति आ स्थिरता आनल जा सकैत अछि।