लहरि रूम, रांची ( एक रिपोर्ट) : प्रत्यक्षदर्शी कहलनि जे, सेना के वर्दी आ कुर्ता-पायजामा पहिरने हमलावर घाटी के चारू कात घना देवदार के जंगल सँ बाहर निकलि अंधाधुंध गोलीबारी शुरू क देलक। किछु बचि गेल लोक के रिपोर्ट अछि जे आतंकवादी धर्म के पुष्टि करय लेल पहचान पत्र के जांच केलक आओर गैर मुसलमान के रूप मे पहचानल गेल लोक के गोली मारि देलक। ओना स्त्री-बच्चा बचि गेल।

आई बुधदिन श्रीनगर आ कश्मीर के अन्य भाग मे बंदी देखल गेल जे अनुच्छेद 370 के निरस्त के बाद करीब छह साल मे कश्मीर मे पहिल बंदी अछि, जाहि मे स्कूल आ कॉलेज बंद अछि। घाटी मे पर्यटक के उपर भेल आतंकी हमला के निंदा करय लेल सेहो बहुतो कश्मीरी सड़क पर निकलल छलाह।

एक दिन पहिने तक पर्यटक के आवा गमन आ चहल-पहल वाला पहलगाम के सुंदर बैसारण घाटी आब सुरक्षाकर्मी क’ नियंत्रण मे अछि। 26 लोकक जान गेल , भयावह आतंकी हमला के बाद रिसॉर्ट शहर के किला मे बदलि देल गेल अछि। सुरम्य घास के मैदान मे छिड़ियाएल जूता आ सामान कश्मीर मे नागरिक पर भेल सबसँ खराब आतंकी हमला के भयावह कहानी कहैत अछि। पहलगाम सँ पर्यटक सब पलायन करय लगलाह, रिसॉर्ट शहर पर एकटा भयावह चुप्पी उतरि गेल, जाहि सं हृदयविदारक चुप्पी धारण भ’ गेल अछि। पहलगाम केर चप्पा -चप्पा मे सेना आ अर्धसैनिक बल तैनात भ’ गेल अछि। कारण सुरक्षाकर्मी के जवान सभ हमला करै वाला पाँच-छह आतंकी के खोज मे पैघ तलाशी अभियान प्रारम्भ क’ देने छथि । पाकिस्तान स्थित आतंकी समूह लश्कर-ए-तैयबा (एलईटी) केर शाखा द रेजिस्टेंस फ्रंट (टीआरएफ) अहि नरसंहार के जिम्मेदारी लेलक अछि । अपने सब के बताबि की पीएम नरेंद्र मोदी के 19 अप्रैल क’ जम्मू-कश्मीर के दौरा करय वाला रहथि। चिनाब नदी पर बनल पुल के उद्घाटन होबय वाला छल। मुदा मौसम विभाग चेतावनी देलक अछि जे मौसम नीक नहि होएत। ताहि कारण सँ पीएम मोदी के यात्रा रद्द भ’ गेल।