spot_img
Sunday, August 24, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिमिथिला वाटिका, मधुबनी (मिथिला - बिहार) मे एक दिवसीय मैथिली साहित्य उत्सवक...

मिथिला वाटिका, मधुबनी (मिथिला – बिहार) मे एक दिवसीय मैथिली साहित्य उत्सवक भेल आयोजन

-

मैथिली भाषाक अस्तित्व बचेबाक हेतु प्राथमिक शिक्षा मातृभाषामे देल जयबाक चाही ……
लहरि रूम (मधुबनी) : मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समितिक बार्षिक समारोह एहि बेर साहित्य उत्सवक रूप मे मनाओल गेल।समारोहक उद्घाटन करैत मैथिलीक प्रसिद्ध कथाकार आओर आलोचक अशोक कहलनि जे मैथिली भाषा के बिना मिथिलाक विकासक परिकल्पना असंभव अछि।मिथिला- मैथिली और मिथिलावासी तीनूक अन्योन्याश्रय सम्बन्ध अछि। तीनू एक संग चलत।तीनू फराक नहि चलि सकैत अछि।अगिला पचास बर्ष तकनीकी विकासक पराकाष्ठाक युग अछि।मैथिलीए नहि सभ स्थापित भाषाक समक्ष चुनौती अछि।मैथिली भाषा कें तकनीकी विकासक संग जोड़िक’क’चलय पड़त।मुख्य अतिथि भारतक प्रसिद्ध वैज्ञानिक ओ मैथिली भाषा के प्रमुख विज्ञान लेखक डा.योगेन्द्र पाठक वियोगी कहलनि जे मैथिली भाषाक वर्तमान स्वरूप कें बचा क’ रखबाक लेल मिथिला क्षेत्रक प्राथमिक विद्यालय मे मैथिली पढ़ाओल जायब बहुत जरूरी अछि। विज्ञान आओर गणितक पढ़ौनी सेहो मातृभाषाक माध्यम सँ सर्वाधिक उपयुक्त अछि। विशिष्ट अतिथि क रूपमे शामिल विधान पार्षद घनश्याम ठाकुर कहलनि। जाबे धरि सदन मे छी मैथिली भाषाक लेल आबाज बुलन्द करैत रहब‌।मिथिला क्षेत्रक प्राथमिक पाठशालामे मैथिली भाषाक पढ़ौनी समितिक जायज माँग अछि।भारत सरकार नब शिक्षा नीति-2020 सेहो बच्चा सभक प्राथमिक शिक्षा मातृभाषामे देबाक बात करैत अछि।हम सरकारक स्तरपर एहि मुद्दाकें जरूर राखब।विशिष्ट अतिथिक पदसँ बजैत मधुबनीक मेयर अरुण राय कहलनि जे मैथिली समस्त मिथिलावासीक भाषा छी।मधुबनी नगर निगममे मैथिलीकें उचित मान-सम्मान भेटय ताहि लेल जे बनि पड़त से करब।मैथिलीक विकासक लेल किछु काज हम करबो केलहुँ अछि शेष जे काज अछि शीघ्र पूरा करब। काठमांडू सँ आयल मैथिलीक विशिष्ट कवयित्री आओर प्रखर युवा पत्रकार बिजेता चौधरी कहलनि जे मातृभाषा कें बचाक’रखबामे मातृशक्ति कें प्रमुखता सँ आगाँ आबक चाहियनि। आजुक स्त्री चतेनशील छथि तें एहु दिश ध्यान देब आवश्यक।

कार्यक्रमक आरंभ मैथिलीक प्रमुख गायिका डा.ममता ठाकुरक गोसाओनिक गीत सँ भेल। आगत अतिथि लोकनि लाबन पर राखल दीप बाड़ि क’ ने कार्यक्रमक शुभारंभ कयलनि।स्वागत भाषण समिति क वरिष्ठ सदस्य आशीष कुमार मिश्र तथा समितिक बार्षिक प्रतिवेदन संयुक्त सचिव प्रभाष कुमार दमन प्रस्तुत केलनि।

एहि अवसरपर समिति द्वारा प्रकाशित मुखपत्र अरुणिमा क एगारहम अंकक लोकार्पण साहित्यकार लोकनि द्वारा कयल गेल।कवि दिलीप कुमार झा रचित कविता संग्रह ‘दूधिया इजोतमे भोतिआइत मोन तथा कथाकार चन्दना दत्त लिखित कथा संग्रह ‘देवियानी’ लोकार्पण सेहो मंच सँ कयल गेल। सहरसाक युवा मैथिली कवि मुख्तार आलम कें हुनक पुस्तक ‘परिचय बनैत शब्द’क लेल नव हस्ताक्षर पुरस्कार-2025 सँ पुरस्कृत कयल गेलनि
पोथीघर,दरभंगा के द्वारा पुस्तक प्रदर्शनी आओर सखी बहिनपा मिथिला हाट द्वारा मिथिला शिल्पकला प्रदर्शनी दर्शक लोकनिक आकर्षण केन्द्र बनल रहल। सांस्कृतिक कार्यक्रममे अम्बे मिश्र के गायनक बड़ प्रशंसा भेल।
कार्यक्रमक अध्यक्षता समितिक अध्यक्ष प्रो.प्रीतम निषाद केलनि तथा संचालन वरिष्ठ साहित्यकार दिलीप कुमार झा द्वारा कयल गेल।
समारोहकें प्रमुख मैथिली साहित्यकार तथा मिथिला विश्वविद्यलय के पदाधिकारी अशोक मेहता,सखी बहिनपा समूहक संयोजिका छाया मिश्रा,पूर्ब प्रमुख जटाधर पासवान,सुभेश चन्द्र झा,डा.कुलधारी सिंह,चण्डेश्वर खाँ,डा.रवीन्द्र झा,रेवतीरमण झा,पं.प्रजापति ठाकुर,ज्योतिरमण झा बाबा,पुष्पा झा,डा.रानी झा,रागिनी मिश्र, आदि सम्बोधित केलनि

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts