spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिपाकिस्तान के संग क्रिकेट खेल के प्रतिस्पर्धा कियैक?

पाकिस्तान के संग क्रिकेट खेल के प्रतिस्पर्धा कियैक?

-

लहरि रूम (रांची) : मानसून सत्र भारतीय संसद मे चलि रहल अछि। काल्हि ‘ऑपरेशन सिंदूर’ बहस पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी लगभग 2 घंटा तक भाषण दैत अपन वक्तव्य देलनि। सपूर्ण देश लाइव हुनक भाषण सुनैत छल। आइ प्रातः काल सँ लोक सबके मिलल जुलल प्रतिक्रिया आबि रहल अछि। मिला जुला क’ कहल जा सकैत अछि। ऑपरेशन सिंदूर पर चर्चा सँ वर्तमान सरकार के विपक्ष सरकार के जबाब सँ पूर्णतः संतुष्ट नहि अछि। जेना युद्ध विराम पर डोनाल्ड ट्रम्प के भूमिका पर कोनो तरहक उत्तर दैत सरकार के तरफ सँ नहि देखल गेल। आखिर सीजफायर घोषणा भारत सरकार सँ पहिने अमरीका किएक कयलक …. चीन कें नाम पाकिस्तान के संग किएक नहि लेल गेल। पहलगाम सँ ल’ क’ पुलवामा तक सुरक्षा कें मामला मे चूक कियेक ?

लहरि मीडिया संपादक किशोर झा कें वर्तमान समय पर अपन मंतव्य छनि जे “सम्भवतः भारत कें अंतरराष्ट्रीय मोर्चा पर बहुत रास चुनौती के सामना करय परि रहल छैक। ताहि कारण भारत ट्रंप जेहन व्यक्ति के नाम पर चर्चा क’ अपन स्थिति के आओर कमजोर नहि करय चाहैत अछि । लेकिन एकर मतलब इ एकदम नहि अछि जे वर्तमान केंद्र के मोदी सरकार ट्रंप के द्वारा कयल गेल कृत्य कें उचित कहि रहल अछि । बस भारत अनावश्यक रूप सँ वैश्विक स्तर पर कोनो समस्या नहि उत्पन्न करय चाही रहल अछि।”

अखिल भारतीय मजलिस-ए-इत्तेहादुल मुस्लिमीन (एआईएमआईएम) केर नेता असदुद्दीन ओवैसी द्वारा संसद मे ‘ऑपरेशन सिंदूर’ पर विशेष चर्चा के दौरान इ प्रश्न उठौलनि जे कि जखन पहलगाम हमला के बाद भारत पाकिस्तान के विरुद्ध कड़ा रुख अपनौने अछि तखन 14 सितंबर क’ एशिया कप क्रिकेट मे भारतीय टीम पाकिस्तान के खिलाफ कोना खेलत ।

ओवैसी कहलनि , “पाकिस्तान के सँ सब व्यापार बंद अछि । ओतय से हवाई जहाज एतय नहि आबि सकैत अछि । समुद्र के रास्ता सँ यातायात बंद अछि । तखन सरकार के अंतरात्मा कियैक नहि जीवित छैक ? पाकिस्तान के साथ कोन परिस्थिति में क्रिकेट खेलबै?”

भारत-पाकिस्तान संबंध मँ तनाव के बीच एशियाई क्रिकेट काउंसिल (एसीसी) द्वारा हाल मे एशिया कप 2025 कें कार्यक्रम जारी केने अछि , जाहि मे भारत आ पाकिस्तान कें ऐके ग्रुप मे राखल गेल अछि । दुनू टीम के बीच पहिल मैच 14 सितंबर के होबय वाला अछि। अगर दुनू टीम फाइनल मे पहुंच गेल
त’ दूटा आओर मैच सेहो भ सकैत अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts