लहरि रूम (रांची) : दिनांक 24 अगस्त 2025 क’ झारखंड मैथिली मंच के विद्यापति दलान हरमू के परिसर मे पुस्तक विमोचन आ अभिनंदन समारोह का आयोजन कयल गेल | कार्यक्रमक शुभारंभ भगवती वंदना जय जय भैरवी असुर भयवानी सँ भेल। उपस्थित गणमान्य लोकनिक द्वारा विद्यापति के चित्र पर पुष्प अर्पित क’ नमन कयल गेल । झारखंड मैथिली मंच के संरक्षक अरुण कुमार झा जी द्वारा आयल पाहून लोकनिक के स्वागत कयल गेल। सेवानिवृत्त बैंक अधिकारी बद्रीनाथ झा द्वारा लिखित मैथिली काव्य संग्रह “अनिनी” का विमोचन समस्त अतिथि लोकनिक कर कमल सँ भेल | विमोचित पुस्तक समीक्षा के क्रम मे डॉ. नरेन्द्र झा, प्रमोद कुमार झा, डॉ. कृष्ण मोहन झा आ सुधीर मोहन झा द्वारा विस्तार सँ चर्चा कयल गेल , संगहि “अनिनी” के रचनाकार बद्री नाथ झा जी अपन रचना के मूल भावना , परिवेश आ संदर्भ पर अपन विचार व्यक्त कयलनि | काव्य संग्रह के लोक द्वारा बहुत सराहना कयल गेल। ज्ञातव्य जे श्री झा अपन छात्रकाल सँ अखबार, पत्रिका, रेडियो आ टेलिविजन आदि मे विभिन्न विधा मे कविता प्रकाशन/प्रसारण सँ जुड़ल छथि, ओ अनेक प्रतिभा मे धनि छथि । तत्पश्चात सी.एम.पी.डी.आई.सँ सेवानिवृत्त अधिकारी प्रकाश चन्द्र झा के पर्यावरण पर शोध के पेटेंट भेटबाक सम्बन्ध मे आइ. आइ. सी. एम. सँ सेवा निवृत्त कार्यकारी निदेशक प्रभाष चन्द्र मिश्र आ स्वयं प्रकाश चन्द्र झा अपन मंत्वय आ शोधक विस्तृत जानकारी उपस्थित सज्जन वृन्द सँ साझा केलनि । तत्पश्चात बद्रीनाथ झा आ प्रकाश चंद्र झा जी के अध्यक्ष आ अतिथि द्वारा झारखंड मैथिली मंच के तरफ सँ पाग आ दोपटा द’ क’ सम्मानित कयल गेल। धन्यवाद ज्ञापन प्रेम चन्द्र झा द्वारा कयल गेल । मंच संचालन ब्रज कुमार झा द्वारा कयल गेल। अंत मे सब गोटे एक संग भोजनक आनंद लेलनि। विभिन्न वक्ता के अलावा कार्यक्रम मे मंच के अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, ब्रज किशोर झा, रणधीर झा, राज कुमार मिश्र, अमर नाथ झा, सतीश कुमार मिश्र, प्रकाश चंद्र झा, डॉ. प्रतुल सरस्वती, डॉ. आनंद कुमार ठाकुर, अनिल कुमार झा, काशीनाथ झा,जय मोहन मिश्र, गोपाल कृष्ण श्रीवास्तव, अनिमेश नचिकेता, अजीत कुमार सिन्हा, नरेश झा, कैलाश झा, श्रीमती किरण झा, श्रीमती विशाशा झा, श्रीमती सुनीता झा, श्रीमती मंजू झा, श्रीमती इंदिरा झा, श्रीमती पुष्पा मिश्रा, श्रीमती शेफाली सिन्हा, श्रीमती डॉ. साधना श्रीवास्तव, श्रीमती रत्न झा, श्रीमती अमीशा संग अनेको गणमान्य लोकनि उपस्थित छला ।


