साहित्यकार लोकनिक स्वागत हेतु बाट जोहित ‘झारखण्ड मैथिली मंच, रांचीक – विद्यापति दलान’

लहरि रूम (रांची) :झारखंड मैथिली मंच के कार्यकारिणी बैसार बिनय कुमार झा के अध्यक्षता मे भेल, जाहि मे झारखंड मैथिली मंच, रांची के परिसर विद्यापति दलान, में 30 अगस्त 2025 के होबय वाला प्रसिद्ध कथागोष्ठी “सगर राति दीप जरय ” के 123म आयोजन के तैयारी हेतु समीक्षा कयल गेल । ज्ञात अछि जे मैथिली साहित्यक चौतरफा विकासक लेल ई आयोजन पूरा देश आ नेपाल मे बहुत दिन सँ भ’ रहल अछि । आयोजन मैथिली कथागोष्ठी/ कथापाठ पर केन्द्रित अछि । झारखंड के राजधानी रांची के लेल ई चारिम अवसर अछि जे एहि कार्यक्रम के आयोजन भ’ रहल अछि। एहि सँ पहिने ई कार्यक्रम रांची मे 2002, 2005 आ 2008 मे भेल छल। इ कार्यक्रम मैथिली भाषा मे पिछला 50 साल सँ लगातार चलि रहल अछि। एहन परंपरा पूरा देश मे मात्र एकटा भाषा गुरुमुखी मे चलि रहल अछि। बल्कि मैथिली भाषा भाषी लोकनि एहि परंपरा केँ स्वयं गुरुमुखी सँ अपना लेलनि अछि । एहि कार्यक्रम मे नेपाल सहित देश भरिक प्रबुद्ध साहित्यकार आबि रहल छथि । इ कार्यक्रम कथा गोष्ठी एहि बेर स्वर्गीय आदरणीय सुबोध चौधरी के स्मृति मे “कथा सुबोध” के नाम सँ जानल जायत | सुबोध चौधरी जी झारखंड मैथिली मंच के संस्थापक सदस्य छला |इ कथा गोष्ठी एकटा कार्यशाला जकाँ अछि जाहि मे कथाकार अपन कथा पढ़ैत छथि आ एक वा एक सँ बेसी वरिष्ठ साहित्यकार एकर विश्लेषण/आलोचना/समीक्षा करैत छथि । एहि सँ साहित्य मे नव कथाकारक उत्तम पीढ़ी तैयार होइत अछि । साहित्य अकादमी पुरस्कार प्राप्त 80% सँ 90 % कथाकार एहि कार्यक्रम मे अपन कथा पढ़ने छथि । अहि आयोजन कथाकार आ साहित्यकार लोकनि अपन टका खर्च क’ अबैत छथि। स्थानीय आयोजनकर्ता के हुनकर सभक रहय आ भोजन के व्यवस्था मात्र करय परैत छनि।

एहि बेर झारखंड मैथिली मंच, हरमू, रांची के केर आयोजन करबाक सौभाग्य भेटल अछि। इ कार्यक्रम साँझ मे शुरू होइत अछि आ राति भरि चलैत रहैत अछि । नवोदित साहित्यकार लोकनि केँ सेहो अपन प्रतिभाक प्रदर्शन करबाक नीक अवसर भेटैत छनि । एहि बेर एहि कार्यक्रमक संयुक्त संयोजक रूप मे झारखंड मैथिली मंच के महासचिव जयंत कुमार झा आ वरिष्ठ साहित्यकार, व्यंग्यकार, कथाकार, सदस्य, झारखंड मैथिली मंच, राजकुमार मिश्र छथि | अहि आयोजन मे सहयोग करबाक हेतु अध्यक्ष बिनय कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष मिश्र सहित सम्पूर्ण कार्यकारिणी के सदस्य लोकनि तत्पर रहता |आजुक बैसार मे अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, बद्री नाथ झा, राज कुमार मिश्र, प्रेम चंद्र झा, ब्रज कुमार झा संग अनेको गणमान्यउपस्थित छला ।

