महाराष्ट्र मे सम्पादित भेल अछि खिचड़ी घोटाला आओर एहि केँ जाँच सेहो ED क’ रहल अछि। एहि घोटाला मे भेल प्राथमिकी मे कहल गेल अछि जे 9 अप्रैल 2020 क’ बीएमसी केँ बाईकुला कार्यालय मे सामुदायिक रसोईघर पर चर्चाक लेल बैसार भेल छल। निर्णय भेल जे ठेका ओहि व्यक्ति केँ देल जायत जे 5000 या ओहि सँ बेसी भोजन केँ पैकेट तैयार क’ सकैत अछि। निर्णय भेल जे ठेका कोनो धर्मार्थ संस्था या सामुदायिक रसोईघर वाला गैर सरकारी संगठन केँ देल जाय। एकटा शर्त छल जे ठेकेदार लग किचन आ स्वास्थ्य विभागक प्रमाणपत्र हेबाक चाही। मुदा एफआईआर केँ अनुसार आरोपी सब मानदंड केँ उल्लंघन केलक। प्राथमिकी मे कहल गेल अछि जे ठेका वैष्णवी किचन/सह्याद्री रिफ्रेशमेंट आ सुनील उर्फ बाला कदम केँ देल गेल छल, मुदा हुनका लग पांच हजार सँ बेसी लोक क’ लेल खिचड़ी बनेबा लेल किचन उपलब्ध नहि छलनि । पुलिस जांच मे पता चलल जे समझौता केँ अनुसार ठेकेदार केँ 300 ग्राम वजन केँ पैकेट तैयार करय केँ छल, मुदा आरोपी 100 ग्राम सँ 200 ग्राम वजन केँ फूड पार्सल सौंप देलक। आओर ईहो काज दोसरोकेँ उपठेका (पेटी कॉन्ट्रैक्ट ) मे दऽ देलखिन।
मीडिया सूत्र केँ अनुसार कथित खिचड़ी घोटाला महाराष्ट्र केँ राजनीति मे लगातार गरमेने अछि, जाहि मे कांग्रेस केँ निष्कासित नेता संजय निरुपम विवाद केँ भड़का रहल छथिन्ह आओर शिवसेना (यूबीटी) केँ निशाना बना रहल छथि। उद्धव ठाकरे केँ नेतृत्व वाला पार्टी मुंबई नॉर्थ वेस्ट सीट पर लोकसभा चुनाव केँ लेल अमोल कीर्तिकर केँ उम्मीदवार घोषित क’ देलक अछि। कीर्तिकर पर खिचड़ी घोटाला मे सम्मलित हेबाक आरोप अछि। उद्धव सेना केँ उम्मीदवार केँ रूप मे नामित भेला केँ मुश्किल सँ एक घंटा बाद 27 मार्च क’ प्रवर्तन निदेशालय हुनका एहि मामलाक संदर्भ मे पूछताछ केँ लेल बजौने छल। एजेंसी 29 मार्च क’ हुनका एकटा आओर समन जारी केलक। मीडिया सूत्रक बात अगर मानी तँ , एहि खिचड़ी घोटाला केँ तार संजय राउत तक जुड़ल छनि।
Trending Now
