रांची: आई महाशिवरात्रि केँ रांची जिला पहाड़ी बाबा केँ मंदिर केँ परिसर मे बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ श्रद्धालु सेवा शिविर लगाओल गेल। रांची नगर निगम केँ पूर्व उप मेयर संजीव विजयवर्गीय द्वारा एहि शिविर केँ विधिवत उद्घाटन कयल गेल। एहि शिविर केँ शुभारम्भ पंडित श्री संतोष मिश्र जी केँ द्वारा वैदिक मंत्रोचार स्वस्तिक वाचन सँ कैल गेल। शिविर मे कच्चा दूध, फुल, बेलपत्र, धूप अगरबत्ती आओर प्रसादक वितरण निःशुल्क क़यल गेल। आजुक एहि शिविर केँ सफल आयोजन मे समिति केँ अध्यक्ष जयन्त झा, मृत्युंजय झा, अजय झा, दिनेश झा, विश्वमोहन झा, प्रवीन झा, अभय रॉय, सन्तोष मिश्रा, छबि झा, इसांत झा, समीर झा, अशोक मिश्रा,राधेश्याम यादव, श्याम किशोर चौबे, जय शंकर दुबे सहभागिता रहलनि अछि।
Trending Now
